सिरहा, ५ चैतः लहान नगरपालिका–१५ स्थित हात्तीदह परिसरमे पर्यटन प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसँ ‘हात्तीदह वनस्टे’ सञ्चालन कएल गेल अइछ । ‘होमस्टे’ के अवधारणामे आधारित वनस्टे पर्यटककेँ प्राकृतिक वातावरण सङे स्थानीय कला, संस्कृतिके अनुभव करबाक अवसर प्रदान करत से लक्ष्य राखल गेल अइछ ।
अइसँ पहिने कोइरालो खोला नमुना वन उपभोक्ता समूह सामुदायिक वनमे भेल हात्तीदह सिमसार क्षेत्रकेँ पर्यटकीय गन्तव्यके रूपमे विकास करैत आएल अइछ । ओएह क्षेत्रमे पड़एजका ‘वनस्टे’ सञ्चालनमे आनल गेल अइछ । वनस्टे निर्माणक लेल जर्सी ओभरसिज एडके आर्थिक सहयोगमे केयर नेपाल, सामुदायिक वन उपभोक्ता महासंघ नेपाल (फेकोफन) आ राष्ट्रिय कृषक समूह महासंघके साझेदारीमे सञ्चालित संरक्षण परियोजनाद्वारा सहकार्य कएल गेल अइछ ।
“वन आ सिमसार क्षेत्रक संरक्षण करैत पर्यटनमार्फत स्थानीयकेँ आयआर्जनमे जोड़बाक उद्देश्यसँ वनस्टे सञ्चालनमे आनल गेल छैँ”, उपभोक्ता समूहक अध्यक्ष रुद्रनारायण चौधरी कहलैन । हुनक कहब अनुसार पहिल चरणमे दू कोठरीके अतिथि घरसँ सेवा सुरु कएल गेल वनस्टे परिसरमे अखन तालिम हल, वनभोजस्थल, दहमे बोटिङ सुविधा, बालबालिकाके लेल मनोरञ्जन पार्क, चिड़ियाखानालगायत सेल्फीस्थलसहित आकर्षकस्थल तैयार कएल गेल अइछ ।
वनस्टे निर्माणमे परियोजनासँ आठ लाख छ हजार ८८ टका आ उपभोक्ता समूहसँ तीन लाख ६७ हजार २ सओ ९५ टका खर्च भेल अइछ । वनस्टेके उद्घाटन करैत नगरप्रमुख महेश प्रसाद चौधरी नगरपालिकासँ थप २० लाख बजेट विनियोजन क आओर दूटा घर निर्माण करबाक जानकारी देलैन । “अइसँ पर्यटन विकास सङे स्थानीयमे आर्थिक गतिविधि बढ़ेबाक लेल सहयोग हएत”, ओ कहलैन ।
वनस्टेमे आबएबला अतिथि समक्ष थारू समुदायक संस्कृति प्रदर्शन करबाक तथा परम्परागत खानाके परिकारसभ उपलब्ध करेबाक योजना रहल वाडअध्यक्ष तेजनारायण चौधरी बतौलैन । ओ कहलैन, “हमसभ अतिथिकेँ स्थानीय संस्कृति आ स्वादसँ जोड़बाक प्रयास क रहल छी ।”
अखन वनस्टेमे प्रतिव्यक्ति आठ सओमे खाना आ रहबाक सुविधा उपलब्ध अइछ । दैनिक दू हजारसँ बेसी आन्तरिक तथा बाह्य पर्यटक आइब रहल उपभोक्ता समूह जनौलक अइछ ।
अखन १४ गोटे प्रत्यक्ष रोजगारीमे रहल कोइरालो खोला नमूना वन उपभोक्ता समितिक अध्यक्ष चौधरी जानकारी देलैन ।
लहान बजारसँ करिब पाँच किलोमिटर उत्तर चुरेमे अवस्थित हात्तीदह क्षेत्र प्राकृतिक सौन्दर्य, सामुदायिक वन व्यवस्थापन आ सांस्कृतिक अनुभवके लेल आकर्षक गन्तव्यके रूपमे विकास भ रहल अइछ । रासस





