पाटन (ललितपुर), १० चैतः नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा पार्टीक १५म महाधिवेशन अगिला वर्ष भादब २४ सँ २६ गतेधैर करबाक प्रस्ताव केन्द्रीय समितिमे पेश कएने छैथ।
पार्टीक केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे आइ सुरू भेल केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसारमे सभापति थापा इएह चैत २१ गतेसँ महाधिवेशन तैयारीक कार्यतालिका प्रस्तुत करैत अगिला भादब २६ गते सम्पन्न करबाक कार्यतालिका पेश कएने छैथ। पेश कएल गेल कार्यतालिकामे क्रियाशील सदस्यता वितरण चैत २१ गतेसँ चैत महिनाधैर अद्यावधिक विशेष अभियान चलेबाक, २०८३ वैशाख १ गतेसँ वैशाख महिनाधैर ६ हजार ७४३ टा वाडसँ क्रियाशील सदस्यता वितरण आ अद्यावधिक करबाक प्रस्ताव कएल गेल अइछ।
वि.सं. २०८३ जेठ महिनाधैर सदस्यता विवरण केन्द्रमे पठेबाक आ अखार १५ गतेधैर केन्द्रद्वारा सदस्यता बारे आवश्यक खोजबिन क निर्णय लेबाक हिसाबेँ कार्ययोजना तय कएल गेल अइछ। एहिना अखार महिनाधैर अद्यावधिक क्रियाशील सदस्यक नामावली केन्द्रीय निर्वाचन समितिकेँ देल जेबाक आ साओन ६ गते गाम/नगर अधिवेशन सम्पन्न करबाक प्रस्ताव कएल गेल अइछ।
प्रस्तावित तालिका अनुसार साओन १२ गते गाम/नगर अधिवेशन, साओन २३ गते प्रदेशसभा क्षेत्रीय अधिवेशन, साओन ३० गते प्रतिनिधिसभा क्षेत्रीय अधिवेशन आ एक मात्र क्षेत्र रहल जिलाक अधिवेशन तोकल गेल अइछ। ओहिना, भादब ६ आ ७ गते जिला अधिवेशन, भादब १५ आ १६ गते प्रदेश अधिवेशन तथा भादब २४, २५ आ २६ गते केन्द्रीय महाधिवेशन प्रस्तावित कएल गेल अइछ। (रासस)





