प्रधानन्यायाधीश राउत सेवानिवृत्त


काठमाण्डू, १८ चैतः सर्वोच्च अदालतक प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमान सिंह राउत उमेर हदके कारण सेवा निवृत्त भेल छैथ । राउतकेँ मङ्गलदिन सर्वोच्च अदालतक वरिष्ठतम न्यायाधीश सपना प्रधान मल्ल बिदाइ केलैन ।

वि.सं. २०८१ आसिन २० मे प्रधानन्यायाधीशमे नियुक्त भेल राउत ६५ वर्ष उमेर हदके कारण अनिवार्य अवकाश भेल छैथ । हुनक अवकाशक बाद आइसँ वरिष्ठतम न्यायाधीश मल्ल कायममुकायम प्रधानन्यायाधीशके जिमेवारी सम्हारने छैथ ।

प्रधानन्यायाधीशके लेल न्याय परिषद सर्वोच्च अदालतक वरिष्ठतम न्यायाधीश मल्ल, न्यायाधीशसभ कुमार रेग्मी, हरि फुँयाल, डा. मनोज कुमार शर्मा, डा. नहकुल सुवेदी आ तिल प्रसाद श्रेष्ठके नाम सिफारिस केलक अइछ ।

प्रधानन्यायाधीश अवकाश होबएसँ एक महिना पहिने संवैधानिक परिषदक बैसारसँ नयाँ प्रधानन्यायाधीशके नाम सिफारिस करबाक संवैधानिक व्यवस्था अइछ । संसदीय सुनुवाइसँ अनुमोदन भेलाक बाद राष्ट्रपतिके प्रधानन्यायाधीश नियुक्त करबाक व्यवस्था अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय