काठमाण्डू, २० चैतः नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थके दाम वृद्धि केलक अइछ । वृहस्पैतदिन राइतसँ लागू भेल डिजेल/मट्टितेल आ पेट्रोलके दाम प्रतिलिटर १५ टकासँ वृद्धि कएल गेल अइछ । अइसँ पहिने निगम इएह चैत ११ गते पेट्रोलियम पदार्थके दाम समायोजन कएने छल ।
निगमद्वारा पेट्रोलके दाम पहिल वर्गमे प्रतिलिटर १ सओ ९९ टका ५० पैसा, दोसर वर्गमे २ सओ १ टका आ तेसर वर्गमे २ सओ २ टका तथा डिजेल/मट्टितेलके दाम पहिल वर्गमे प्रतिलिटर १ सओ ७९ टका ५० पैसा, दोसर वर्गमे १ सओ ८१ टका आ तेसर वर्गमे १ सओ ८२ टका निर्धारण कएल गेल अइछ । दाम समायोजन सङे काठमाण्डूमे पेट्रोलके दाम प्रतिलिटर २ सओ २ टका कायम भेल अइछ ।
पहिल वर्गअन्तर्गत चारआली, विराटनगर, जनकपुर, अमलेखगञ्ज, भलवारी, नेपालगञ्ज, धनगढी आ वीरगञ्ज, दोसर वर्गअन्तर्गत सुर्खेत आ दाङ तथा तेसर वर्गअन्तर्गत काठमाण्डू, पोखरा आ दिपायल डिपोकेँ निर्धारण कएल गेल अइछ ।
अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे पेट्रोलियम पदार्थके दाम बइढ़ रहलासँ स्थानीय बजारमे सेहो दाम बढ़ाबए पड़ल निगम स्पष्ट कएलक अइछ । इएह मार्च १६ आ ३१ मे इन्डियन आयल कर्पोरेसनसँ प्राप्त खरिद मूल्यअनुसार पेट्रोलके दाममे प्रतिलिटर ४७.१२ टका आ डिजेलमे प्रतिलिटर १३३.४५ टका तथा एलपी ग्यासमे प्रतिसिलिन्डर ४१६.३७ टका घाटा रहल निगम जनौलक अइछ ।
अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे पेट्रोलियम पदार्थके मूल्यवृद्धि होबाक तथा ओएह अनुसार मूल्य समायोजन नै भेलासँ पाक्षिक रुपमे १३ अरब २१ करोड़ टका घाटा भ रहल निगम स्पष्ट केलक अइछ । (रासस)





