काठमाण्डू, ८ वैशाखः सरकार नेपाल धितोपत्र बोर्डके अध्यक्ष नियुक्तिके लेल तीन सदस्यीय सिफारिस समिति गठन केलक अइछ ।
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालय सिंहदरबारमे आइ भेल मन्त्रिपरिषदक बैसारसँ बोर्डके अध्यक्ष नियुक्त करबाक लेल राष्ट्रिय योजना आयोगक उपाध्यक्ष डा. गुणाकर भट्टके संयोकत्वमे तीन सदस्यीय सिफारिस समिति गठन करबाक निर्णय कएल गेल सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिना सञ्चारकर्मीकेँ जानकारी देलैन ।
समितिमे अर्थ मन्त्रालयके सचिव डा. घनश्याम उपाध्याय आ भुवन कुमार दाहाल सदस्य छैथ ।
मन्त्रिपरिषदक बैसारसँ समस्याग्रस्त सहकारी व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष पदमे डिल्लीराज आचार्य तथ सदस्यमे नवराज सिम्खडा आ रोशन बहादुर शाक्यकेँ नियुक्ति करबाक निर्णय कएल गेल सञ्चारमन्त्री डा. तिमिल्सिना बतौलैन ।
बैसारसँ नेपाल विशेष सेवा ऐन, २०४२ केँ संशोधन करबाक लेल बनल विधेयक सङ्घीय संसदमे पेस करबाक लेल स्वीकृति देल गेल अइछ ।
तहिना, प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७३ केँ संशोधन करबाक लेल बनल विधेयक सङ्घीय संसदमे पेस करबाक लेल स्वीकृति देबाक निर्णय सेहो कएल गेल अइछ ।
मन्त्रिपरिषदक बैसारसँ मतदाता नामावली ऐन, २०७३ केँ संशोधन करबाक लेल बनल विधेयक सङ्घीय संसदमे पेस करबाक लेल स्वीकृति देल गेल अइछ । (रासस)





