चैतमे नौ सओ विपदके घटना, तीस गोटेके मृत्यु


काठमाण्डू, १० वैशाखः बितल चैतमे विपदके घटनामे देशैभर ३० गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

आइगलगी, हावाबिहाइर, ठन्का, हिमपातलगायत दैवी विपतमे १६ गोटे पुरुष, १० गोटे महिला आ चाइर गोटे बालबालिकाके मृत्यु भेल अइछ ।

दैवी विपतमे २ सओ २२ गोटे घायल भेल अइछ । विपदसँ एक सओ ९१ घर, एक सओ १७ गोहाली आ तीन सरकारी कार्यालयमे क्षति भेल अइछ, तँ ५ सओ २९ पशुचौपाया सेहो मरल अइछ ।

विपदसँ ३३ करोड़ ७२ लाख ६१ हजार टका बराबरके क्षति भेल अनुमान अइछ । विपद प्रतिकार्यमे चाइर हजार ८ सओ ४१ प्रहरी परिचालन भेल प्रहरी प्रवक्ता अविनारायण काफ्ले राससकेँ जानकारी देलैन ।

विपदसँ १ सओ ४३ गोटे विस्थापित भेल अइछ । ओइ अवधिमे कोशीमे २ सओ ७२, मधेशम एक सओ ३६, बागमतीमे ८५, काठमाण्डू उपत्यकामे ३९, गण्डकीमे ९५, लुम्बिनीमे १ सओ २९, कर्णालीमे ५७ आ सुदूरपश्चिम प्रदेशमे ९३ टा विपदके घटना भेल जनाओल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय