वासिङ्टन, १३ वैशाख : अमेरिकामे राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रम्प सहभागी एक ‘डिनर कार्यक्रम’ मे हतियारधारी व्यक्ति आक्रमणक प्रयास केलक अइछ । प्रारम्भिक जानकारीअनुसार अज्ञात हतियारधारी व्यक्ति बन्दुक आ चक्कुसहित कार्यक्रम स्थलके लबी क्षेत्रमे प्रवेश करबाक प्रयास कएने छल । ओइके बाद सुरक्षाकर्मीसभ तत्काल सक्रिय भ उक्त व्यक्तिकेँ नियन्त्रणमे लेने छल । घटनाके क्रममे गोली चलल आवाज सुनाएल छल । जइके बाद कार्यक्रममे सहभागी किछ अतिथिसभ बीच त्रास उत्पन्न भेल छल । राष्ट्रपति ट्रम्प सुरक्षित रहल बताओल गेल अइछ ।
सुरक्षा अधिकारीसभसँ भेल मुठभेड़मे आक्रमणकारी गोली चलौने आ सुरक्षाकर्मीसभ सेहो जवाबी कारबाही कएने बताओल गेल अइछ । आक्रमणकारीकेँ घटनास्थलसँ नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।
अमेरिकी सरकारी वकिलके कहब अनुसार उक्त संदिग्ध विरुद्ध हिंसात्मक अपराधके क्रममे हतियार प्रयोग कएने आ सङ्घीय सुरक्षाकर्मीपर खतरनाक हतियार प्रयोग क आक्रमण कएने आरोपमे मुद्दा चलाएल जाएत । उक्त व्यक्तिकेँ सोमदिन राजधानीस्थित सङ्घीय अदालतमे पेश कएल जाएत ।
समाचार स्रोत अनुसार घटना अचानक भेलाक बादो सुरक्षाकर्मीसभक तत्काल प्रतिक्रियाके कारण पैघ क्षति नै भेल अइछ । घटनाके बारेमे विस्तृत अनुसन्धान जारी अइछ आ सुरक्षा व्यवस्था थप दुरुस्त बनाएल गेल अइछ । रासस/एपी/एएफपी





