दू दिन बाद अवरुद्ध बीपी राजमार्ग सञ्चालन


काभ्रेपलाञ्चोक, १४ वैशाखः शैनदिनक वर्षाके बाद रोशी नदीके बाइढ़क कारण अवरुद्ध भेल बीपी राजमार्ग आइसँ सञ्चालन भेल अइछ । रोशी नदीमे अस्थायी डाइभर्सन बनौलाक बाद आइ दुपहर ३ बजेसँ आवागमन सुरु कराएल गेल डिभिजन सड़क कार्यालय भक्तपुर जनौलक अइछ ।

रैबदिन दिनभैर डाइभर्सनके काज कएलाक बादो रैबदिन दुपहरमे फेरसँ वर्षा भेलाक बाद किछ स्थानके डाइभर्सनमे क्षति भेलाक कारण आवागमन सुरु करबामे समस्या भेल कार्यालय प्रमुख सिनियर डिभिजनल इञ्जिनियर सुमन योगेश बतौलैन । हुनक कहब अनुसार आइ भोरसँ डाइभर्सन बनेबाक काज सुरु क दुपहर ३ बजेसँ आवागमन नियमित कराओल गेल अइछ ।

वर्षाके कारण राजमार्गअन्तर्गत काभ्रेपलाञ्चोकके रोशी क्षेत्रमे करिब चाइर किलोमिटर डाइभर्सन दहाएल छल । कार्यालय अनुसार उक्त क्षेत्रक आठ स्थानसँ डाइभर्सन बना क आवागमन कराओल गेल अइछ । रैबदिन सात स्थानके डाइभर्सन बनौलाक बाद चारसयबेंसी स्थानमे डाइभर्सन बनेबाक क्रममे वर्षा भेलाक बाद थप काज बन्द भेल छल ।

शैनदिन दुपहर वर्षा भेलाक बाद जोखिमकेँ मध्यनजर करैत जिलास्थित सुरक्षा निकाय उक्त राजमार्गमे ३ः३० बजेसँ आवागमन बन्द छल । जिला प्रहरी कार्यालय धुलिखेल उक्त राजमार्गअन्तर्गत काभ्रेपलाञ्चोकके नमोबुद्धस्थित कटुञ्जेसँ रोशीके मङ्गलटार सड़कखण्ड वर्षाक कारण रोशी नदीमे बाइढ़के सम्भावित जोखिमकेँ ध्यानमे राइख बन्द कएल गेल छल ।

बितल चैत तेसर हप्ता सेहो ओएह क्षेत्रक विभिन्न स्थानके चाइर किलोमीटर दहेलाक बाद फेरसँ अस्थायी डाइभर्सन निर्माण कएल गेल छल । बितल सालके बाइढ़सँ रागमार्गके चौकीडाँडा, रोशी तथा सिन्धुलीके नेपालथोक क्षेत्रमे १८ किलोमीटर सड़क दहेलाक बाद नदीमे डाइभर्सन निर्माण क आवागमन होइत आएल छल । हाल उक्त क्षेत्रमे स्थायी सड़क निर्माण भ रहल कार्यालय जनौलक अइछ ।

राजमार्ग अवरुद्ध भेलाक बाद सवारीसाधनकेँ राजमार्गके प्रवेशमार्ग धुलिखेल तथा काभ्रेभन्ज्याङ आ मङ्गलटार तथा सिन्धुलीके नेपालथोकमे ‘होल्ड’ कराओल गेल छल । किछ छोट सवारीसाधनकेँ तेमाल गाउँपालिका होइत वैकल्पिक मार्गसँ नमोबुद्ध नगरके भकुण्डेधैर आनल गेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय