कमला नदीके अस्थायी बाँध बाइढ़सँ दहेलाक बाद आवतजावतमे समस्या


सिरहा, १५ वैशाख : सिरहा आ धनुषा जिला जोड़ैबला निर्माणाधीन कमला नदीमे बनाएल गेल अस्थायी बाँध बाइढ़सँ दहेलाक बाद आवतजावतमे समस्या भेल अइछ ।

पुलके ‘डाइभर्सन’ सँ करिब ३ सओ मिटर आगु बनाएल गेल माइटक बाँध दहेलाक बाद सवारी सञ्चालन अवरुद्ध भेल अइछ ।

सिरहाके सहायक प्रमुख जिला अधिकारी चेतराज बराल लगातारके वर्षासँ संरचनामे क्षति भेल जानकारी देलैन । ओ कहलैन, “निर्माण व्यवसायीद्वारा तत्काल डोजर प्रयोग क माइट राइख क बाँध पुनर्निर्माण कएल गेल छै आ आवतजावत आंशिक रूपमे सञ्चालन भ रहल छै ।”

हुलाकी राजमार्गअन्तर्गतके उक्त कमला नदी पुल लम्बासँ निर्माण नै भ सकल अइछ । २०६८ जेठमे पप्पु–लुम्बिनी जेभी सङे २४ करोड़ ९१ लाख टकामे उक्त पुल निर्माणक ठेक्का सम्झौता कएल गेल छल । २०७१ अगहनमे सम्पन्न होबाक तय भेल पुल अखनधैर निर्माण नै भेलासँ यात्रीके समस्या होइत आएल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय