वीरगञ्ज (पर्सा), १५ वैशाखः चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे वीरगञ्ज नाकासँ दू अरब ९८ करोड़ टका बराबरके विद्युतीय सवारीसाधन आयात कएल गेल अइछ ।
बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षमे विद्युतीय सवारीसाधन एक सओ २ प्रतिशत अर्थात् एक अरब ५० करोड़ टकासँ बेसीके आयात कएल गेल अइछ ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे विद्युतीय सवारीसाधन आयात शतप्रतिशतसँ वृद्धि भेल बतौलैन । बितल आर्थिक वर्षके नौ महिनामे एक अरब ४८ करोड़ टकाके विद्युतीय सवारीसाधन आयात कएल गेल छल ।
चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे एक अरब ४६ करोड़ टकाके ४ सओ ९३ टा विद्युतीय जिप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे ४८ करोड़ टकाके १ सओ ७२ टा विद्युतीय जिप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल छल ।
चालु आर्थिक वर्षमे ९६ करोड़ टकाके सात हजार ३ सओ ९८ टा विद्युतीय मोटरसाइकल आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे ५५ करोड़ टकाके चाइर हजार २ सओ २७ टा विद्युतीय मोटरसाइकल आयात कएल गेल छल ।
तहिना, चालु आर्थिक वर्षके नौ महिनामे ५३ करोड़ टकाके चाइर हजार ६ सओ ६ टा विद्युतीय तीन पहियाबला सवारीसाधन आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे ४५ करोड़ टकाके तीन हजार ६ सओ १३ टा विद्युतीय तीन पहियाबला सवारी आयात कएल गेल छल । (रासस)





