काठमाण्डू, २३ वैशाखः नेपाल क्रिकेट संघ (क्यान) एसिया खेलकुद छनाैट तथा एसिसी महिला प्रिमियर कपके लेल आइ नेपाली महिला राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीके घोषणा केलक अइछ ।
क्यान १४ सदस्यीय नेपाली महिला खेलाड़ीके नाम सार्वजनिक केलक अइछ । वैकल्पिकमे चाइर गोटे छैथ ।
टोलीके कप्तानमे इन्दु बर्मा, उपकप्तानके जिमेवारी पूजा महतो छैथ । उक्त टोलीमे विन्दु रावल, स्मरण खड्का, रुवी पोद्दार, कविता जोशी, कविता कुँवर, रिया शर्मा, सीता राना मगर, अनु कड़ायत, मनीषा उपाध्याय, रुविना क्षेत्री, सोनी पाख्रिन आ सीमाकेसी समावेश छैथ ।
तहिना वैकल्पिक खेलाड़ीक रूपमे सावित्री धामी, सोमु विष्ट, सना प्रवीण आ लक्ष्मी साउदकेँ राखल गेल क्यान जनौलक अइछ । मलेसियामे होएबला एसियन गेम्स छनाैटमे २३ सँ ३१ तारिखधैर भ रहल छै । प्रिमियर कप अगिला जुन १सँ १३ धैर हएत । (रासस)





