काभ्रेपलाञ्चोक, २४ वैशाखः बाइढ़क कारण अवरुद्ध बिपी राजमार्ग तीन दिन बाद सञ्चालन भेल अइछ । अस्थायी ‘डाइभर्सन’ बना क अइ मार्गमे आइ भोरसँ सवारी आवागमन सुरु कएल गेल अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालय वर्षा जारी रहलासँ अत्यावश्यक बाहेक अइ मार्गसँ यात्रा नै करबाक लेल सम्बद्ध सबमे अनुरोध केलक अइछ । बितल सोमदिनक वर्षासङे रोशी नदीमे आएल बाइढ़सँ ई मार्ग बन्द भेल छल ।
वर्षा भेलाक बाद रोशी क्षेत्रके करिब चाइर किलोमिटर क्षेत्रमे निर्माण कएल गेल अस्थायी डाइभर्सनमे क्षति होबाक कारण प्रहरी आवागमन बन्द करैत अइछ । राजमार्ग अवरुद्ध भेलाक बाद सवारीसाधनकेँ धुलिखेल तथा काभ्रेभञ्ज्याङ आ मङ्गलटार तथा सिन्धुलीके नेपालथोकमे होल्ड कएल जाइत अइछ ।
बितल सालके बाइढ़ आ भूस्खलनसँ राजमार्गके चौकीडाँडा, रोशी तथा सिन्धुलीके नेपालथोक क्षेत्रमे १८ किलोमीटर सड़क दहेलाक बाद नदीमे डाइभर्सन निर्माण क सवारी साधन सञ्चालन होइत आएल अइछ । हाल उक्त क्षेत्रमे सड़क निर्माण भ रहल अइछ । (रासस)





