लुम्बिनी, कर्णाली, सुदूरपश्चिम प्रदेशमे वर्षाके सम्भावना


काठमाण्डू, २४ वैशाखः हाल नेपालमे पश्चिमी आ स्थानीय वायु तथा नेपालक पूर्वी भू–भाग लग तरका वायुमण्डलमे न्यूनचापीय क्षेत्रके प्रभाव अइछ ।

न्यूनचापीय क्षेत्रक प्रभावके कारण हिमाली आ पहाड़ी भू–भागमे साधारणतया बादल लागत, तराई भू–भागमे आंशिक बादल लागत । लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशलगायत बाँकी प्रदेशक हिमाली आ पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैरके वर्षा/हिमपात तथा बाँकी तराई भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित हल्का वर्षाके सम्भावना रहल जल तथा मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ ।

तहिना, आइ राइत कोशी प्रदेशलगायत देशक हिमाली भू–भागमे साधारणतया मेघ लागत आ बाँकी भू–भागमे आंशिक मेघ लागत । कोशी प्रदेशक किछ स्थानसभमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यम वर्षा तथा मधेश आ बाँकी प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागक एक/दू स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित हल्का वर्षा/हिमपातके सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय