घूस अभियोगमे प्रहरी निरीक्षकके विरुद्ध मुद्दा दायर


काठमाण्डू । वैशाखः अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल सुरक्षा बेस धनुषामे कार्यरत सशस्त्र प्रहरी निरीक्षक वकिल अधिकारीक विरुद्धमे आइ विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केलक अइछ।

कमला ढल्केबर बागमती सड़क निर्माण खण्डमे माइट तथा ‘ग्राभेल फिलिङ’ काजमे प्रयोग होएबला सवारीसाधन रोकब तथा ‘फिल्ड’मे माइट नै खसाबए द क सेवाग्राहीसँ ४० हजार टका घूस लैत काल पकैड़ क अभियोग पत्र दायर कएल गेल अइछ। आयोग आरोपी अधिकारीक विरुद्धमे बिगो बमोजिम कारबाहीक माँग करैत मुद्दा दायर कएल गेल प्रवक्ता सुरेश न्यौपाने जानकारी देलैन।

एहिना, नेपाल सरकार प्रतिवादी चन्द्रबहादुर अधिकारी सेहो घूससम्बन्धी मुद्दामे सरकारी साक्षीक रूपमे बयान दैत काल प्रतिकूल तरिकासँ देल गेलाक कारण सुमित्रा कुमारी पुडासैनीक विरुद्धमे विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल अइछ। आयोग पुडासैनीक विरुद्धमे ५० लाख टका बराबरक बिगो दाबी करैत आइ विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएल गेल अख्तियारद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय