काठमाण्डू, ३१ वैशाखः सम्भावित बाइढ़ तथा सड़क निर्माणक कारण काभ्रेपलाञ्चोक–सिन्धुलीस्थित बिपी राजमार्ग आ हुम्लाके हिल्सा–सिमकोट सड़क खण्डमे सवारी आवागमन बन्द कएल गेल अइछ ।
प्रहरी प्रधानकार्यालय आइ सूचना जारी करैत काभ्रेपलाञ्चोकके खुर्कोट–नेपालथोक–कटुन्जेबेँसी होइत सिन्धुली जाएबला बिपी राजमार्गमे सम्भावित बाइढ़क जोखिमकेँ मध्यनजर करैत सवारी सञ्चालनमे रोक लगाएल गेल जनौलक अइछ । प्रहरी अनुसार मिति २०८३ वैशाख २१ गते साँझ ५ः०० बजेसँ भोर ५ः०० बजेधैर सड़कखण्डमे चलैबला सम्पूर्ण सवारीसाधन दोसर आदेश नै भेलाधैर बन्द कएल गेल अइछ ।
तहिना, हुम्लाके नाम्खा गाउँपालिका–२ च्यादुक क्षेत्रमे सड़क विस्तारके काज भ रहलाक कारण हिल्सा–सिमकोट सड़क खण्डमे सेहो आवागमन बन्द कएल गेल अइछ । च्यादुक होटलसँ च्याछराधैर सड़क बनेबाक क्रममे उपरसँ पाथर आ माइट खसबाक जोखिम बेसी भेलासँ इएह वैशाख २९ गतेसँ जेठ २ गतेधैर उक्त सड़कखण्डमे यातायात सञ्चालन बन्द कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ । (रासस)





