कीर्तिपुर (काठमाण्डू), ८ जेठः आइसिसी पुरुष विश्वकप क्रिकेट लिग–२ अन्तर्गत आइ भेल खेलमे नेपाल अमेरिकाकेँ १२२ रनसँ पराजित केलक अइछ ।
र्कीतिपुरस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट मैदानमे ३१८ रन लक्ष्यके अमेरिका ४१ दशमलव दू ओभरमे १९५ रनमे अलआउट भेल।
सन्दीप लामिछाने तीन विकेट, ललित राजवंशी, दीपेन्द्र सिंह ऐरी आ गुल्शन झा दू/दू विकेट आ सोमपाल कामी एक विकेट लेलक ।
अमेरिकाक लेल सञ्जय कृष्णमूर्ती सर्वाधिक ५६ रन बनेलक । सङे नोथुष केन्जिगे २९, शयान जहाङ्गिर २७, शेहान जयसूर्या २६, कप्तान शैतेजा मुक्कामुल्ला २२ रनके योगदान देलक ।
अइसँ पहिने टस हाइर क पहिने ब्याटिङ कएने नेपाल निर्धारित ५० ओभरमे आठ विकेटमे ३१७ रन बनौने छल । नेपालक लेल इशान पाण्डे सर्वाधिक ८४ रन बनेलक । ओ ८३ बलमे आठ चौका आ एक छक्का प्रहार केलैथ । दीपेन्द्र सिंह ऐरी ५९ रन, कप्तान रोहित पौडेल ४६, आशिफ शेख ४३ कुशल भुर्तेल २९ रन, आरिफ शेख १८ रन आ गुल्सन झा १५ रन बनेलक ।
आजुक जीतसङे नेपाल अङ्क तालिकामे २८ खेलमे ११ जीत, १५ हार आ दू टा अनिर्णितसहित २४ अङ्क बनेलक अइछ । (रासस)





