लेबनानमे इजरायली आक्रमणः १२ गोटेके मृत्यु, ३ घायल


रासस/क्युएनए
बेरुत (लेबनान), १२ जेठ : इजरायली लडाकु विमान पूर्वी आ दक्षिण लेबनानमे श्रृङ्खलाबद्ध हवाई आक्रमण कएलासँ १२ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ अन्य तीन गोटे घायल भेल अइछ ।

इजरायल दक्षिण लेबनानके टायर आ बिन्ट जेबिल जिलाक अधिकांश सहरसभकेँ लक्षित क आक्रमण कएने बताओल गेल अइछ ।

तहिना, बेरुतके दक्षिण उपनगरके किछ भागसभमे आक्रमण विस्तार करबाक इजरायली चेतावनीके बाद विस्थापित बासिन्दासभक आवागमन बढ़ल अइछ ।

लेबनानके जनस्वास्थ्य मन्त्रालयके जन–स्वास्थ्य आपतकालीन सञ्चालन केन्द्र अनुसार मार्च २ सँ अखनधैर भेल इजरायली आक्रमणमे तीन हजार एक सओ ८५ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ नौ हजार ६ सओ ३३ गोटे घायल भेल अइछ ।

अप्रिल १६ सँ लागु भेल युद्धविराम सम्झौताके बाबजुद इजरायल दक्षिणी लेबनानमे अपन आक्रमण जारी राखने अइछ । निरन्तरके आक्रमणके कारण अइ क्षेत्रके सुरक्षा आ मानवीय अवस्थाके कारण मे १५ मे दोसर बेर ४५ दिनक लेल युद्ध विराम विस्तार कएल गेल छल ।

ताजा खबर
लोकप्रिय