सुर्तीजन्य पदार्थमे शतप्रतिशत कर वृद्धि करबाक लेल सरकारकेँ सुझाव


काठमाण्डू, १२ जेठः सुर्तीजन्य पदार्थके कारण प्रत्येक साल ३९ हजारसँ बेसी नागरिकके अकालमे मृत्यु होइत आएल कहैत सांसदसभ आगामी आर्थिक वर्षके बजेटमार्फत सुर्तीजन्य पदार्थमे शतप्रतिशत कर वृद्धि करबाक लेल सरकारकेँ सुझाव देलैन अइछ ।

नेपालमे हाल सुर्तीजन्य पदार्थमे ४० प्रतिशत मात्रे कर लागैत आएल कहैत सांसदसभ विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन सिफारिस कएनेअनुसार सुर्तीजन्य पदार्थमे कम्तीमे ७५ प्रतिशत कर लगेबाक लेल आग्रह केलैन । सुर्तीजन्य पदार्थसँ वार्षिक ३३ अरब राजस्व उठलाक बादो स्वास्थ्य आ इलाजबापतके भार ४५ अरबसँ बेसी रहल सांसदसभ बतौलैन ।

सुर्तीजन्य पदार्थसँ ८५ लाखसँ बेसी नागरिक आक्रान्त भेल आ १४ सँ २४ वर्ष उमेरधैरके आठ लाख युवा विद्यार्थी सुर्तीजन्य पदार्थके लतमे फसल सांसदसभ बतौलैन । सांसदसभ सुर्तीजन्य पदार्थमे भारतमे ५८ आ बङ्गलादेशमे ७३ प्रतिशत कर लैत आएल बतौलैन ।

सांसद गुरु प्रसाद बराल सुर्तीजन्य पदार्थमे लागैत आएल करके दायरा वृद्धि क ओइके प्रयोगमे न्यूनीकरण करबाक लेल आग्रह केलैन ।

सांसद अभिषेक प्रताप शाह कपिलवस्तुलगायत तराईके जिलामे भेल पिबैबला पाइनक समस्या समाधान करबाक माँग केलैन ।

सांसद अमरकान्त चौधरी नेपाल–भारत सीमास्थित सप्तरीमे रहल भंसारमे ‘क्वारेन्टाइन’के व्यवस्था करबाक माँग केलैन ।

सांसद अमरेश कुमार सिंह उइख कृषककेँ उद्योगीद्वारा देल जाएबला बक्यौता आ सरकारद्वारा देल जाएबला अनुदान तत्काल वितरण करबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन ।

सांसद अरबिन्द साह आगामी आर्थिक वर्षके लेल धानक न्यूनतम समर्थन मूल्य निर्धारण कएल गेलप्रति सरकारकेँ धन्यवाद दैत कृषि बीमा, मलखाद, बीया आ सिँचाइके उचित प्रबन्ध करबाक लेल आग्रह केलैन ।

सांसद खगेन्द्र कर्ण कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्षके जङ्गली जानवरसँ लगपासके नागरिक पीड़ित भेलासँ ओइदिस ध्यान देबाक लेल अनुरोध केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय