काठमाण्डू, १३ जेठः हाल नेपालमे पश्चिमी वायु आ स्थानीय वायु तथा नेपालक पूर्वी भू–भाग लग रहल न्यून चापीय क्षेत्रके प्रभाव अइछ । जइ कारण मङ्गलदिन काठमाण्डूलगायत देशक विभिन्न स्थानमे हावा बिहाइरसहित वर्षा भेल अइछ ।
मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार आइ दुपहर कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली आ पहाड़ी भू–भागमे आंशिक मेघ लागत आ तराई भू–भागमे मुख्यतया सफा रहत ।
कोशी आ मधेश प्रदेशलगायत बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानसभ, लुम्बिनी प्रदेशक हिमाली आ पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानसभमे तथा बागमती आ गण्डकी प्रदेशक तराई भू–भागसहित कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली आ पहाड़ी भू–भागक एक–दू स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षा/हिमपातके सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ । सुदूरपश्चिम आ लुम्बिनी प्रदेशक तराई भू–भागमे गरम दिन होबाक सम्भावना अइछ । मधेश प्रदेशलगायत कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक तराई आ पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानमे दुपहरके बाद हावा बिहाइरके सम्भावना अइछ । (रासस)
–––





