राष्ट्रपति पौडेलद्वारा गणतन्त्र दिवस विशेष समारोहकेँ सम्बोधन


काठमाण्डू, १५ जेठः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल गणतन्त्र दिवसके अवसरमे सैनिक मञ्च टुँडिखेलमे आयोजित विशेष समारोहकेँ सम्बोधन केलैन अइछ ।

गणतन्त्रके माध्यमसँ सम्पूर्ण राजनीतिक अधिकार सुनिश्चित आ समुन्नत भविष्यक लेल एकताबद्ध भ आगू बढ़बाक अवसर प्रदान कएल ओ बतौलैन ।

“अइसँ देशवासीकेँ जोड़ने छै, साझा राष्ट्र बनेबाक सङ्कल्प अभिप्रेरित केलक अइछ । अइसँ हमरासभकेँ अपन जाइत, भाषा, धर्म, सम्प्रदाय, सभ्यता आ भूमिके स्वामित्व देलक अइछ । तँए ई हमरासभके लेल राष्ट्र निर्माणके महान् प्रेरणा छियै”, ओ कहलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय