काठमाण्डू, १५ जेठः अर्थमन्त्री डा स्वर्णिम वाग्ले अगिला आर्थिक वर्षके बजेटमार्फत कर प्रणालीमे बृहद पुनरावलोकन करैत व्यक्तिगत करदाताक लेल १० लाखके सीमातय कएल गेल अइछ । व्यक्तिगत आयकरके अधिकतम दरकेँ १० प्रतिशत बिन्दु घटाएल गेल ओ जानकारी देलैन।
तहिना, औद्योगिक उत्पादनकेँ प्रोत्साहन लेल औद्योगिक कच्चा पदार्थमे भंसार महसुल तैयारी मालवस्तुसँ कम्तीमे एक तह कम होबाक व्यवस्था बनाएल गेल ओ बतौलैन । २७३ प्रकारके कच्चा पदार्थमे भंसार दर घटाएल गेल छै तँ विद्यमान ११ तहके भंसार संरचनाकेँ पुनर्संरचना क ७ तहमे सीमित कएल गेल हुनकर कहब छैन ।
तहिना, हाल ३६० वस्तुके अन्तःशुल्क खारेज कएल गेल अइछ । भंसार बिन्दुमे सङ्कलन होइत आएल पूर्वाधार विकास कर, सड़क मर्मत तथा सुधार दस्तुरसहित करसभकेँ एकीकृत क ‘हरित कर’मे समाहित कएल गेल ओ जानकारी देलैन ।
तहिना, बजेटमे व्यक्तिके मृत्यु पश्चात अंशवण्डा, हक हस्तान्तरण तथा निकायमे भेल स्वामित्व परिवर्तनमे आयकर ऐन, २०५८के दफा ५७ आकर्षित नै होबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
बजेटमार्फत डिजिटल भुक्तानीकेँ प्रोत्साहन करए लेल उपभोक्ता डिजिटल माध्यमसँ वस्तु तथा सेवा खरिद करैत काल बिजक जारी समयमे मूल्य अभिवृद्धि करमे १० प्रतिशत छुट मिलबाक व्यवस्था कार्यान्वयन कएल गेल अइछ ।
मूल्य अभिवृद्धि कर फिर्ता प्रणालीकेँ पूर्ण रूपमे स्वचालित बनेबाक व्यवस्था , वस्तु तथा सेवाके खरिद–बिक्रीमे बिजककेँ प्रोत्साहन करए लेल लट्रीसहित आकर्षक कार्यक्रम सञ्चालन कएल जाएबला बजेटमे उल्लेख अइछ । (रासस)





