काठमाण्डू, २१ जेठः देशक पश्चिमी क्षेत्र लगपास उपरका वायुमण्डलमे रहल न्यून चापीय प्रणाली तथा स्थानीय वायुके प्रभावक कारण देशक हिमाली तथा पहाड़ी भागमे वर्षा होबाक तथा तराईके किछ क्षेत्रमे गर्मी बढ़बाक सम्भावना अइछ ।
जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा अनुसार हाल गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भागमे साधारणतया बदली अइछ, तँ बाँकी पहाड़ी भागमे आंशिक बदली आ तराईके अधिकांश क्षेत्रमे मुख्यतया मौसम सफा अइछ । कोशी, बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशका हमाली तथा पहाड़ी भागक एक–दू स्थानमे हल्का वर्षा भ रहल अइछ ।
आइ दुपहर देशक हिमाली तथा पहाड़ी भागमे साधारणतया बदली रहबाक तथा तराई क्षेत्रमे आंशिक बदली रहबाक महाशाखा जनौलक अइछ । हिमाली तथा पहाड़ी भागक किछ तथा मधेश आ कोशी प्रदेशक तराईके एक–दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठन्कासहित मध्यम वर्षा या हिमपातके सम्भावना अइछ । तहिना, मधेश, कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक तराई क्षेत्रमे सेहो तापक्रम बढ़बाक अनुमान कएल गेल अइछ ।
आइ राइत देशक हिमाली भागमे साधारणतया बदली रहत, पहाड़ी भाग तथा मधेश आ कोशी प्रदेशक तराई क्षेत्रमे आंशिक बदली रहबाक तथा बाँकी तराई क्षेत्रमे मुख्यतया मौसम सफा रहबाक बताओल गेल अइछ । कोशी आ मधेश प्रदेशसहित बागमती प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भाग तथा गण्डकी आ कर्णाली प्रदेशक हिमाली भागक एक–दू स्थानमे हल्का वर्षा वा हिमपातके सम्भावना अइछ ।
तहिना, देशक हिमाली तथा पहाड़ी भागके किछ तथा लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक तराई क्षेत्रक एक–दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठन्कासहित मध्यम वर्षा वा हिमपात होबाक सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ ।
मधेश तथा कोशी प्रदेशक तराई क्षेत्रमे तापक्रम बढ़बाक सम्भावना भेलासँ सतर्कता अपनेबाक लेल आ मौसमसम्बन्धी बितल सूचनामे अद्यावधिक रहबाक लेल महाशाखा सम्बद्ध सबसँ आग्रह केलक अइछ । (रासस)





