गर्मी बढ़लाक बाद बर्दिबासके विद्यालय दू दिन बन्द


महोत्तरी, २१ जेठः बितल पाँच दिनसँ अत्यधिक गर्मी बढ़लाक बाद महोत्तरीके बर्दिबास नगरपालिका नगर क्षेत्रक सब विद्यालय दू दिन बन्द करबाक निर्णय केलक अइछ ।

अत्यधिक गर्मीके कारण बालबालिकाके स्वास्थ्यमे जोखिम बढ़बाक सम्भावना भेलासँ आइ आ काइल (वृहस्पैतदिन आ शुक्रदिन) दू दिन नगरक्षेत्रक सामुदायिक, संस्थागत आ धार्मिक विद्यालयसभ पूर्ण रूपमे बन्द करबाक निर्णय कएल गेल पालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राममणि अधिकारी जानकारी देलैन ।

बर्दिबास जिलामे सबसँ बेसी विद्यालय भेल स्थानीय तह अइछ । अइ ठाम ५५ टा सामुदायिक आ अन्य संस्थागत तथा धार्मिकसहित ८० सँ बेसी विद्यालय अइछ ।

जिलामे बितल शैनदिनसँ अत्यधिक गर्मी बढ़ल अइछ । शैनदिनसँ दुपहरक समयमे ३८ डिग्री सेल्सियस लगपास तापक्रम मापन कएल गेल अइछ । बितल रैबदिन जिलाक गौशाला–१२ कान्तिबजारस्थित राष्ट्रिय माध्यमिक विद्यालयमे १० गोटे विद्यार्थी क्लासमे बेहोस भेल छल । इलाजक बाद सब विद्यार्थी स्वस्थ भ चुकल अइछ ।

गर्मीके कारण हाटबजार आ कार्यालयसभमे सेहो भिड़भाड़ कम भेल अइछ । गर्मीके कारण विद्यालय जाएबला बालबालिका, वृद्धवृद्धा, गर्भवती महिला, परसौती आ दैनिक मजदुरी करैबलासभ बेसी समस्यामे अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय