‘जनकपुरधामकेँ धार्मिक पर्यटकीय गन्तव्य बनाबै लेल सरकार दृढ़ छै’


धनुषा, २२ जेठः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव जनकपुरधामकेँ प्रदेशके मात्र नै  देशक प्रमुख धार्मिक पर्यटकीय गन्तव्य बनेबाक प्रयास भ रहल बताैलैन अइछ ।
जनकपुरधामस्थित चारतारे होटल पौवाद्वारा आइ एत आयोजित बृहत् खाना प्रदर्शनी कार्यक्रमके उद्घाटन करैत ओ भारतके उत्तर प्रदेशमे रहल राम जन्मभूमिमे भगवान् श्रीरामके दर्शनक लेल वार्षिक ५० करोड़ पर्यटक आबैत छै, जाहिमे पाँच प्रतिशत पर्यटक जानकी जन्मभूमिमे आएत तँ अइ क्षेत्रके पर्यटन क्षेत्रके कायापलट होबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।
मुख्यमन्त्री यादव बुद्ध वायुसेवा यथाशीघ्र जनकपुरधाम-अयोध्या, अयोध्या-जनकपुरधाम सीधा हवाई उड़ानके विषयमे तैयारी भ रहल कहैत सेवा शुरू भेलाक बाद जनकपुरधाममे भारतीय पर्यटकके सङ्ख्यामे उल्लेख्य वृद्धि होबाक बतौलैन । संघीय सरकार प्रस्तुत कएल बजेटमे मधेश प्रदेशकेँ अपेक्षाअनुरूप सम्बोधन नै कएल गेल शिकायत केलैन ।
जनकपुरधामकेँ ‘म्यारिज डेस्टिनेसन’ विषय चर्चामे रहलोपर संघीय बजेटसँ समुचित रूपमे सम्बोधन भ सकत से मुख्यमन्त्री यादव उल्लेख केलैन । उक्त अवधारणाकेँ पूर्णता देबाक लेल प्रदेश सरकार आ निजी क्षेत्रबीच सहकार्य क आगू बढ़बाक हुनकर कहब छैन ।
मधेश प्रदेशक शिक्षा तथा संस्कृतिमन्त्री मनोज कुमार सिंह जनकपुरधाममे शुरू भेल चारतारे होटल पौवा अइ क्षेत्रके पर्यटन प्रवर्द्धनमे मद्दत पहुँचबाक विश्वास व्यक्त करैत होटल पौवा मिथिला कला, संस्कृति, संस्कार तथा परिकारके प्रवर्द्धनमे ध्यान देबाक सुझाव देलैन । होटल पौवा सञ्चालक समितिक अध्यक्ष दुर्गा भण्डारीके अध्यक्षतामे भेल उद्घाटन कार्यक्रममे होटल पौवाके उपाध्यक्ष ध्रुवराज न्यौपाने होटल पौवा अइ क्षेत्रके पर्यटन प्रवर्द्धनमे सहयोग करबाक विश्वास व्यक्त केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय