काठमाण्डू, २४ जेठः स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहता समग्र स्वास्थ्य क्षेत्रक सुधारक लेल सरकार विशेष जोड़ द रहल बतौलैन अइछ ।
आइ आयोजित पत्रकार भेटघाट तथा परामर्श कार्यक्रममे ओ समग्र स्वास्थ्य क्षेत्रमे देखल गेल समस्या, समाधानक प्रयास आ आगामी योजनाक काजकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल हमसभ केन्द्रित रहल बतौलैन ।
सरकार एक सओ दिनक शासकीय सुधारक कार्यअन्तर्गत स्वास्थ्यकेँ प्राथमिकतामे राइख काज कएने उल्लेख करैत मन्त्री मेहता उक्त काज अन्तिम चरणमे रहल बतौलैन । नियमित समवंय, सूचना आ सञ्चारक माध्यमसँ मन्त्रालयके गतिविधिकेँ सेहो प्रभावकारी बनेबाक ओ बतौलैन ।
मन्त्रालयके सचिव डा. विकास देवकोटा आधारभूत स्वास्थ्य पहुँचेबाक लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन । स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रममे देखल गेल समस्या जल्दी समाधान क आगु बढ़बाक उल्लेख करैत ओ स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रमकेँ सबके कार्यक्रम बनेबाक लेल किछ काज भ रहल बतौलैन । (रासस)





