रासस/एएफपी
तेहरान, २४ जेठ : इरान शैनदिन बहराइन आ कुवेतमे क्षेप्यास्त्र प्रहार केलक अइछ । अइसँ खाड़ी क्षेत्रमे आओर तनाव उत्पन्न भेल अइछ आ पहिनेसँ कमजोर रहल युद्ध विराम आओर जोखिममे पड़ल अइछ ।
अमेरिकी सेन्ट्रल कमाण्ड अनुसार इरान होर्मुज जलसन्धि लग रहल अमेरिकी लक्षित क्षेत्रदिस सातटा ब्यालिस्टिक क्षेप्यास्त्र प्रहार कएने छल । ओइमध्ये छटा क्षेप्यास्त्र आकाशमे नष्ट कएल गेल छल, तँ एकटा लक्ष्यमे पहुँचएसँ पहिने नष्ट कएल गेल छल ।
बहराइनमे रहल अमेरिकी पाँचम फ्लीटक मुख्यालयकेँ लक्षित क भेल आक्रमणके बाद बहराइन सरकार एकरा ‘खुला आक्रमण’के रुपमे व्याख्या केलक अइछ । कुवेत सेहो एकरा ‘खतरनाक तनाव वृद्धि’ कहैत निन्दा केलक अइछ ।
घटनाके क्रममे बहराइनके राजधानी मनामामे विस्फोटक आवाज सुनाएल छल, तँ कुवेतमे अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल लग लगातार विस्फोट भेल स्थानीय पत्रकारसभ बतौलक अइछ ।
अइ घटनासँ मध्यपूर्वमे जारी युद्धकेँ आओर बढ़ेबाक संकेत देखल गेल अइछ ।





