शुरूङ्गा (झापा), ३० जेठः नेपाल–भारत सीमाक्षेत्रमे रहल सीमास्तम्भके संरक्षण, मर्मत तथा पुनःनिर्माणकेँ तीव्रता देबाक उद्देश्यसँ दुनु देशक अधिकारी बीच विर्तामोडमे संयुक्त समीक्षा बैसार भेल अइछ ।
नापी विभाग, सीमाशाखा काठमाण्डूके आयोजनमे भेल बैसारमे पूर्वी नेपालके झापा, इलाम, पाँचथर आ ताप्लेजुङके सीमाक्षेत्रमे सञ्चालित फिल्ड कार्यके प्रगति मूल्याङ्कन कएल गेल छल । बैसारमे संयुक्त टोली पछिला तीन महिनामे कएल काजके विवरण प्रस्तुत करैत मर्मत कएल गेल तथा पुनःनिर्माण आवश्यक रहल सीमास्तम्भबारे जानकारी करौने छल ।
सीमासम्बन्धी प्राविधिक विषयमे नियमित रूपमे होएबला बैसार सीमाङ्कनके स्पष्टता कायम तथा सीमास्तम्भके संरक्षणमे सहयोग पहुँचेबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । सीमाक्षेत्रके प्राविधिक समस्याके समाधान, आवश्यक समन्वय तथा अगिला कार्ययोजनाबारे सेहो बातचित भेल छल ।
नापी विभागक प्रमुख नापी अधिकृत हरेराम यादव सीमा स्तम्भके मर्मत आ पुनःनिर्माणसम्बन्धी द्विपक्षीय समझदारीअनुसार आगू बइढ़ रहल जानकारी देलैन।
जिला प्रहरी कार्यालयक निमित्त सूचना अधिकारी प्रहरी निरीक्षक विजय चौहान नेपाल–भारत सीमासम्बन्धी द्विपक्षीय फिल्ड कार्यअन्तर्गतके सर्भे बैसार बिर्तामोडमे सम्पन्न भेल जानकारी देलैन। सीमाव्यवस्थापनसँ सम्बन्धित विभिन्न निकाय बीचके समन्वयकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक विषयमे सेहो बातचित हुनकर कहब छैन ।
बैसारमे नेपालके झापा, इलाम, पाँचथर आ ताप्लेजुङके प्रमुख जिला अधिकारी, सहायक प्रमुख जिला अधिकारी, नापी अधिकृत, डिभिजन वन अधिकृत, सशस्त्र प्रहरी तथा प्रहरी उपरीक्षक लगायतके अधिकारीसभके सहभागिता छल ।
भारतीय पक्षसँ विहार राज्यके किशनगन्ज जिलाक ‘डिस्ट्रिक्ट मजिस्ट्रेट’ विशालराज, सशस्त्र सीमाबल (एसएसबी) क १९म बटालियनके कमान्डेन्ट योगेश कुमार सैनी, ३६म बटालियनके कमान्डेन्ट सञ्जीव कुमार, उपकमान्डेन्ट अभिजित दास, आठम् बटालियनके कमान्डेन्ट वसन्त सामी तथा सर्वेक्षक अधिकृत सन्तोष प्रसाद आ हिमाद्री शेखर चक्रवर्तीसहित अधिकारी सहभागी छलैथ ।
नेपाल आ भारतबीच सीमासम्बन्धी प्राविधिक विषयमे समयसमयमे संयुक्त बैसार आयोजना होइत आएल अइछ । सीमास्तम्भके संरक्षण आ व्यवस्थापनकेँ व्यवस्थित बनाबैत सीमावर्ती क्षेत्रमे पारस्परिक सहकार्यकेँ सुदृढ करबाक उद्देश्यसँ बैसार अगिला कार्ययोजनाके सेहो तय केलक अइछ । (रासस)





