रासस/एएफपी
बर्गेनस्टक, ८ अखार : मध्यपूर्वमे जारी द्वन्द्व अन्त्य करबाक उद्देश्यसँ इरान आ अमेरिका बीच स्विट्जरल्यान्डके बर्गेनस्टक रिसोर्टमे भेल पहिल चरणके वार्ता सम्पन्न भेल अइछ । दूनु पक्ष अगिला ६० दिनमे अन्तिम सम्झौताके रोडम्यापके बारेमे सहमति व्यक्त करैत प्राविधिक तहके वार्ता निरन्तर जारी राखबाक निर्णय केलक अइछ ।
पाकिस्तान आ कतारक मध्यस्थतामे सम्पन्न वार्ताके बाद जारी संयुक्त विज्ञप्तिअनुसार तेहरान आ वासिङ्टनद्वारा गठित उच्चस्तरीय समिति अन्तिम सम्झौताके लेल कार्ययोजना निर्धारण केलक अइछ । बाँकी प्राविधिक विषयमे इएह हप्ता बर्गेनस्टकमे थप परामर्श होबाक जनाओल गेल अइछ ।
वार्ताके क्रममे लेबनानमे सैन्य गतिविधिके अन्त्य सम्बन्धी कार्यावंयन सुनिश्चित करबाक लेल अमेरिका, इरान, लेबनानी सरकार तथा मध्यस्थकर्ताके सहभागितामे द्वन्द्व व्यवस्थापन संयन्त्र स्थापना करबाक सहमति सेहो भेल अइछ । इरानी विदेशमन्त्री अब्बास अराघची एकरा शान्ति प्रक्रियाके पहिल वास्तविक परीक्षणके रूपमे उल्लेख केलैन अइछ ।
तहिना, ‘स्टेट हफ हर्मुज’सँ व्यावसायिक जहाजसभक सुरक्षित आवागमन सुनिश्चित करए तथा सम्भावित आपसी भ्रम आ घटनासँ बचबाक लेल दूनु पक्ष विशेष ‘सञ्चार लाइन’ स्थापना केलक अइछ । ई व्यवस्था प्रारम्भिक समझदारी पत्रमे उल्लेख कएल गेल ६० दिनक अवधिभैर लागू रहत ।
इरानी विदेशमन्त्री अराघची सामाजिक सञ्जाल एक्समार्फत तेल तथा पेट्रोकेमिकल निर्यातसम्बन्धी प्रतिबन्ध हटाएल गेल, किछ रोक्का सम्पत्ति फुकुवा कएल गेल आ पुनर्निर्माण तथा विकास कार्यक्रम सुरु कएल गेल दाबी केलैन । यद्यपि पाकिस्तान–कतारक संयुक्त विज्ञप्तिमे इरानी सम्पत्ति फुकुवासम्बन्धी कोनो विषय उल्लेख नै कएल गेल अइछ ।
हस्ताक्षर भेल समझदारी पत्रमे अमेरिका इरानपर लगाएल गेल सब प्रकारक प्रतिबन्ध अन्त्य करबाक तथा रोक्का वा प्रतिबन्धित कोष आ सम्पत्ति प्रयोगक लेल उपलब्ध करेबाक प्रतिबद्धता जनौने उल्लेख अइछ । यद्यपि अराघचीके दाबीके बारेमे ह्वाइट हाउस तत्काल कोनो प्रतिक्रिया नै देलक अइछ ।
वार्ताके सफलता सङे पाकिस्तान आ कतार मध्यस्थकर्ताके रूपमे महत्त्वपूर्ण अन्तर्राष्ट्रिय भूमिका निर्वाह केलक अइछ । संयुक्त विज्ञप्तिमे दूनु देश अन्तिम सम्झौताधैर वार्ताकेँ रचनात्मक वातावरणमे आगु बढ़ेबाक लेल निरन्तर सहयोग करबाक प्रतिबद्धता सेहाे व्यक्त केलक अइछ ।





