चितवन, ९ अखारः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के नयाँ नेतृत्व चयनके लेल बुधदिन निर्वाचन होबाक जनाओल गेल अइछ ।
केन्द्रीय निर्वाचन आयोगक प्रमुख भुवन केसीके कहब अनुसार आजुक बन्दसत्रके बाद निर्वाचनक प्रक्रिया आगु बढ़त । आइ दुपहर २ः०० बजे बन्दसत्र सुरु होबाक आ ६ः४५ मे समापन हएत । मतदानमे विद्युतीय उपकरणके प्रयोग कएल जाएत ।
महाधिवेशनमे प्रत्यक्ष सहभागी नै भेल प्रवासक प्रतिनिधिके लेल रास्वपाके अपने ‘एप’सँ मतदान करबाक व्यवस्था कएल जा रहल अइछ । ८० वटा विद्युतीय उपकरणसँ मतदानके तैयारी कएल गेल अइछ । एक सभापति आ ९९ गोटे केन्द्रीय सदस्य चयन करबाक लेल मतदान होबाक प्रमुख केसी जानकारी देलैन । (रासस)





