बर्दिबास साक्षर नगर घोषणा


महोत्तरी, २१ अखारः बर्दिबास नगरपालिकाकेँ साक्षर नगर घोषणा कएल गेल अइछ । इएह सङे बर्दिबास महोत्तरीमे साक्षर घोषणा हुअबला चारिम स्थानीय तह बनल अइछ ।

शैनदिन आयोजित एकटा कार्यक्रममे मधेश प्रदेश सरकारक श्रम तथा यातायात मन्त्री शारदा थापा नगरकेँ साक्षर घोषणा केलैन ।

विद्यालय जाएबला उमेर समूहबाहेक १५ सँ ६० वर्ष उमेर समूहक सम्बद्ध स्थानीय तहके कम्तीमे ९५ प्रतिशत बासिन्दा साक्षर भेलाक बाद बर्दिबास साक्षर नगरके सूचीमे पड़ल अइछ । बर्दिबास साक्षरताके १२ टा सूचक पूरा कएके बताएल गेल अइछ ।

नगर कार्यपालिकाके शिक्षा शाखाके प्रमुख रेवतीप्रसाद पराजुलीके कहब अनुसार नगरके कुल ७५ हजार जनसङ्ख्यामध्ये २५ हजार विद्यार्थी नगरक्षेत्रके ८० टा विद्यालयमे औपचारिक शिक्षामे आबद्ध अइछ, तँ १५ सँ ६० वर्ष उमेर समूहक ४६ हजार ५ सओ २६ गोटेमध्ये ४५ हजार ३ सओ ३२ गोटे साक्षरताके मापदण्ड पूरा कएने अइछ ।

शिक्षा विकास तथा समवंय इकाईके प्रमुख निर्मल घिमिरे बितल समय जिलाक स्थानीय तह साक्षरता कार्यक्रमकेँ अभियानक रूपमे आगु बढ़ौने जानकारी दैत आर्थिक वर्ष २०८३/०८४ मे जिलाक ६० प्रतिशत स्थानीय तहकेँ साक्षर घोषणा करबाक लक्ष्यसहित अभियान जारी अइछ ।

महोत्तरीमे १० नगरपालिका आ पाँच गाउँपालिका अइछ । अइसँ पहिने मनराशिशवा, मटिहानी आ जलेश्वर नगरपालिका साक्षर घोषणा भेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय