सीमा विवादके बारेमे सरकारक स्पष्ट जवाब माँग करैत विपक्षीके विरोध


काठमाण्डू, २५ अखारः प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे सेहो प्रमुख प्रतिपक्षसहित विपक्षी दलसभ सीमा विवादसम्बन्धी विषयमे सरकारके स्पष्ट जवाब माँग करैत विरोधकेँ निरन्तरता देलक अइछ ।

बैसार सुरु भेलाक बाद विपक्षी दलक सांसदसभ अपन–अपन आसनसँ उठलाक बाद सभामुख डोलप्रसाद अर्याल एकेटा विषयमे निरन्तर विरोध भ रहलासँ विपक्षी दलके दिससँ एक गोटे सदस्यकेँ संक्षिप्तमे धारणा राखै लेल समय देलैन ।

नेपाली कांग्रेसके सांसद हरिनादेवी कामी प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह बितल जेठ १७ गते प्रतिनिधि सभाके बैसारमे देने ‘नेपाल सेहाे भारतके भूमि कब्जा कएने छै..’ से अभिव्यक्तिप्रति आपत्ति व्यक्त करैत प्रधानमन्त्रीके स्पष्ट जवाब देबए पड़त तथा उक्त अभिव्यक्ति संसदके अभिलेखसँ हटाबए पड़त माँग केलैन ।

ओइके बाद अन्य विपक्षी दलक सांसदसभ सेहो बाजै लेल समय माँग कएलाक बाद सभामुख अर्याल सब विपक्षी दलकेँ बाजै लेल समय देलैन ।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) के यशुदाकुमारी बराल विपक्षी बेर–बेर उठाबैत आएल विषयमे सरकार सुनुवाइ नै कएने कहैत ध्यानाकर्षण करौलैन ।

नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके भीम कुमार बुढामगर नेपाली जनता अपन भूमिके रक्षाके लेल प्रतिबद्ध रहल समय प्रधानमन्त्रीके राष्ट्रियतासँ जुड़ल अपन अभिव्यक्ति सचिएबाक माँग केलैन ।

तहिना, श्रम संस्कृति पार्टीके पूर्णप्रसाद लिम्बू प्रधानमन्त्रीके उक्त अभिव्यक्तिपर प्रश्न उठौलैन, तँ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके खुश्बु ओली उक्त विषयमे सत्ता पक्षके स्पष्ट धारणा सार्वजनिक करबाक माँग केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय