निर्माण क्षेत्रक समस्या समाधान करबाक लेल सरकार सकारात्मक छैः प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, २५ अखारः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह निर्माण क्षेत्रक समस्या, एकर प्रवर्द्धन, भौतिक पूर्वाधार विकास, लगानी वातावरण तथा आर्थिक सुधारक सम्बन्धमे आइ निर्माण– व्यवसायीसँ परामर्श केलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे नेपाल निर्माण व्यवसायी महासङ्घक पदाधिकारीसँ भेल परामर्शमे प्रधानमन्त्री शाह निर्माण क्षेत्र देशक आर्थिक विकास, रोजगारी सिर्जना आ पूर्वाधार निर्माणक महत्वपूर्ण आधार भेल उल्लेख करैत अइ क्षेत्रक समस्याके समाधानक लेल सरकार सकारात्मक रहल बतौलैन ।

प्रधानमन्त्री शाह निर्माण व्यवसायकेँ मर्यादित, पारदर्शी, जिमेवार आ परिणाममुखी बनाबैत विकास–निर्माणक काजकेँ निर्धारित समयमे सम्पन्न करबाक लेल सब पक्षके सक्रिय सहकार्य आवश्यक भेल तइपर जोड़ देलैन ।

परामर्शमे नेपाल निर्माण व्यवसायी महासङ्घक अध्यक्ष निकोलश पाण्डे, वरिष्ठ उपाध्यक्ष मुकेश पन्त, महासचिव शिवहरि घिमिरे, बागमती प्रदेशक उपाध्यक्ष बालकृष्ण थापा तथा महासङ्घका पूर्वअध्यक्ष एवं सल्लाहकार जयराम लामिछाने सहभागी छलैथ ।

ओसभ निर्माण क्षेत्र भोगैत आएल भुक्तानी, म्याद थप, ठेक्का व्यवस्थापन, समयमे आयोजना कार्यावंयन, मूल्य समायोजन, बैंकिङ तथा लगानीसम्बन्धी चुनौतीके बारेमे प्रधानमन्त्री शाहकेँ जानकारी करोलैन । तहिना, निर्माण उद्योगकेँ चलायमान बनेबाक लेल सरकार आ निजी क्षेत्र बीचक सहकार्यकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक आवश्यक भेल बतौलैन ।

परामर्शमे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयके प्रमुख सल्लाहकार कुमार व्यञ्जनकार, सूचना तथा सञ्चार प्रविधि सल्लाहकार विवेक मिश्र तथा प्रमुख स्वकीय सचिव सुवास शर्मा सहभागी छलैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय