छोट नदीमे आकस्मिक बाइढ़के पूर्वानुमान


काठमाण्डू, २९ अखारः जल तथा मौसम विज्ञान विभाग अगिला तीन दिनधैर देशक छोट नदीमे आकस्मिक बाइढ़के पूर्वानुमान केलक अइछ ।

पाँचथर, इलाम, झापा, मोरङ, सप्तरी, सुनसरी, भोजपुर, सङ्खुवासभा, दोलखा, रामेछाप, सिन्धुली, सिन्धुपाल्चोक, रसुवा, नुवाकोट, धादिङ, गोरखा, लमजुङ, तनहुँ, मकवानपुर, बारा, पर्सा, रौतहट, चितवन, नवलपरासीपूर्व, नवलपरासी पश्चिम, पाल्पा, कास्की, पर्वत, म्याग्दी, स्याङ्जा, कैलाली आ लगपासक जिलाक छोट नदीमे बाइढ़ एबाक जोखिम अइछ ।

विभागक बाइढ़ विद विनोद पराजुली काठमाण्डू, भक्तपुर, ललितपुर, काभ्रेपलाञ्चोक आ अन्य लगपासक जिलामे आकस्मिक बाइढ़के उच्च जोखिम रहल बतौलैन ।

आइ दुपहर कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली भू–भागक अधिकांश आ लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षा/हिमपातके सम्भावना अइछ । कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक अधिकांश स्थानमे, मधेश प्रदेश तथा लुम्बिनी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई, कर्णाली आ सुदुरपश्चिम प्रदेशक पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानमे तथा सुदुरपश्चिम प्रदेशक तराई भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षाके सम्भावना अइछ ।

कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी भू–भागक किछ स्थानमे तथा मधेश प्रदेशलगायत कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक तराई आ लुम्बिनी प्रदेशक पहाड़ी आ हिमाली भू–भागक एक–दू स्थानमे भारी वर्षाके सम्भावना अइछ ।

आइ राइत कोशी आ बागमती प्रदेशक हिमाली भू–भागक अधिकांश स्थान, गण्डकी प्रदेशक हिमाली भू–भागक किछ स्थान आ लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक हिमाली भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षा/हिमपातके सम्भावना अइछ ।

मधेश प्रदेश तथा कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक अधिकांश स्थानमे, लुम्बिनी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक किछ स्थानमे तथा कर्णाली प्रदेशक पहाड़ी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक किछ स्थानमे मेघगर्जन/ठन्कासहित मध्यमधैर वर्षाके सम्भावना रहल विभाग जनौलक अइछ ।

कोशी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक किछ स्थानमे भारीसँ बेसी भारी वर्षासहित बागमती आ गण्डकी प्रदेशक पहाड़ी आ तराई भू–भागक एक–दू स्थानमे भारी वर्षाके सम्भावना रहल विभाग जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय