काठमाण्डू, ३० अखार : आइ देशक ४४ जिलामे आकस्मिक बाइढ़के मध्मसँ उच्च जोखिम रहल अइछ ।
जल तथा मौसम विज्ञान विभाग पाँचथर, इलाम, झापा, मोरङ, सुनसरी, सप्तरी, भोजपुर, सङ्खुवासभा, उदयपुर, सिन्धुली, दोलखा, रामेछाप, सिन्धुपाल्चोक, रसुवा, नुवाकोट, धादिङ, काठमाण्डू, भक्तपुर, ललितपुर, काभ्रेपलाञ्चोक, मकवानपुर, पर्सा, बारा, रौतहट, सर्लाही आ अगलबगलके ३९ जिलामे नदीके प्रवाह बढ़बाक आ आकस्मिक बाइढ़के जोखिम रहल जनौलक अइछ ।
गोरखा, लमजुङ, नवलपरासी पूर्व, नवलपरासी पश्चिम, पाल्पा, पर्वत, म्याग्दी, प्युठान, रोल्पा, दाङ, सल्यान, बाँके, बर्दिया, कैलालीमे आकस्मिक बाइढ़के मध्यम जोखिम रहल अइछ ।
चितवन, तनहुँ, कास्की, स्याङजा, सुर्खेतमे सेहो बाइढ़के सम्भावना रहल अइछ । बाइढ़विद् विनोद पराजुली बुधदिन आ वृहस्पैतदिन सात प्रदेशक छोटका नदी प्रवाह बढबाक कहैत आवश्यक सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह केलैन अइछ । (रासस)





