सुनसरी घटनालगायत विषयमे सर्वदलीय बैसार जारी


काठमाण्डू, १३ साओनः सुनसरी घटनालगायत विषयमे परामर्श करबाक लेल सिंहदरबारमे सर्वदलीय बैसार भ रहल अइछ ।

सत्तारूढ़ राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सभापति रवि लामिछाने आह्वान कएने बैसारमे नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)के महासचिव शङ्कर पोखरेल, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके अध्यक्ष राजेन्द्र लिङ्देन, श्रम संस्कृति पार्टीके महासचिव आरेन राईलगायत सहभागी छैथ ।

बैसारमे संयोजक दाहाल विगतमे भूकम्प, बाइढ़ भूस्खलन जेहन विपदके समय वा जटिल राजनीतिक अवस्थामे सझिया सहमति कायम कएल गेल स्मरण करैत अखन सेहो ओएह राजनीतिक परिपक्वता, संवाद आ जिम्मेवारीके आवश्यकता रहल बतौलैन । राष्ट्रिय महत्वके अइ प्रकारक संवेदनशील विषयमे सरकारके गम्भीर होबाक चाही तइपर ओ जोड़ देलैन ।
(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय