गोलबजारमे गोली लाइगकए एक किशोरकेँ मृत्यु, तनावग्रस्त माहोल


गोलबजार । सिरहामा जारी प्रदर्शनक क्रममे गोली लाइगकए गम्भीर घाइल भेल एक किशोरके मृत्यु भेल अइछ ।
मृत्यु होएवालामे औरही गाउँपालिका–२ के १५ वर्षीय गणेश यादव रहल अइछ । झडपके क्रममा गोली लाइगकए गम्भीर घाइल भेल ओइ किशोरकेँ उपचारका क्रममा मृत्यु भेल जिल्ला प्रशासन कार्यालय सिरहाले जनौलक अइछ । सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी चेतराज बरालले गणेश यादवके निधन भेल जानकारी प्राप्त भेल पुष्टि करैत घटनाप्रति प्रशासन गम्भीर रहल बतौलक ।
बृहस्पैत दिन भोरेसँ प्रदर्शन उग्र बनलाक बाद सिरहाक सुरक्षा अवस्था थप तनावपूर्ण बनल अइछ । सम्भावित थप हिंसा रोकए प्रभावित क्षेत्रमे नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ नेपाली सेना परिचालन कएल गेल अइछ । जिलाक विभिन्न स्थानमे कफ्र्यू आदेश जारी कएल गेल अइछ ।
तहिना गोलबजारस्थित सिरहा सुपरमार्केटद्वारा सञ्चालित एबी मलमे प्रदर्शनकारीद्वारा आगजनी कएल गेल अइछ । प्रदर्शन उग्र बनलाक बाद अन्य स्थानमे सेहो आगजनी आ तोडफोडक घटना भेल अइछ । कफ्र्यूको पालना करए प्रशासनले सर्वसाधारणसँग आग्रह कएलक अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय