पूर्व प्रधानमन्त्री देउवा स्वदेश फिर्ता


काठमाण्डू, २८ साओन: नेपाली कांग्रेसक निवर्तमान सभापति एवम् पूर्व प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा करिब पाँच महिनाक बाद आइ स्वदेश फिर्ता भेल छैथ। बीतल भादब २४ गतेक जेनजी आन्दोलनक क्रममे सख्त घायल भेलाक बाद ओ पाँच महिना पहिना इलाजक लेल सिङ्गापुर होइत हङकङ पहुँचल छल।

हुनका त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलमे स्वागत करए लेल कांग्रेसक शीर्ष नेतासभ पूर्णबहादुर खड्का, डा. शशाङ्क कोइराला, प्रकाशमान सिंह, विमलेन्द्र निधि, कृष्ण प्रसाद सिटौला, डा. प्रकाशशरण महत, एनपी साउद, अम्बिका बस्नेत, ईश्वरी न्यौपाने, मीन विश्वकर्मा, मोहनबहादुर बस्नेत, उमाकान्त चौधरी लगायत पहुँचल छल। पूर्व प्रधानमन्त्री देउवाकेँ विमानस्थल परिसरसँ निवासधैर देशभैरसँ आएल कांग्रेसक सयौँ नेता कार्यकर्तासभ नारा जुलुससँ स्कर्टिङ कएने छल। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय