जनकपुरधाम, २९ साओनः गर्मीसङे मधेश प्रदेशमे सर्पदंश बढ़ल अइछ । सर्पदंशविरुद्धके दवाइ एन्टी स्नेक भेनम प्रदेशक सर्पदंश इलाज केन्द्रमे पठाएल जा रहल अइछ ।
मधेश प्रदेश स्वास्थ्य आपूर्ति केन्द्रके प्रमुख डा नागेन्द्र यादव अनुसार सर्पदंशके इलाजक लेल प्रदेशक २७ टा अस्पताल तथा इलाज केन्द्रमे आवश्यकताअनुसार एन्टी स्नेक भेनम पठाएल जा रहल अइछ ।
सिरहाके चोहर्वास्थित नेपाली सेनाक सर्पदंश इलाज केन्द्र आ वीरगञ्जस्थित नारायणी अस्पतालमे दवाइके अभाव भेलासँ तत्कालक लेल क्रमशः ३० आ १०० भायल एन्टी स्नेक भेनम पठाएल गेल ओ जानकारी देलैन । अन्य इलाज केन्द्रमे सेहो माँगअनुसार दवाइ पठाएल जा रहल अइछ।
डा यादवके अनुसार प्रदेश स्वास्थ्य आपूर्ति केन्द्रमे हाल ९०० भायल एन्टी स्नेक भेनम मौज्दात अइछ तँ आओर दवाइ आइब रहल अइछ ।
किछ दिनसँ अत्यधिक गर्मीके कारण रौतहट, बारा आ पर्सासहित जिलामे सर्पदंश बढ़ल अइछ ।
वीरगञ्जस्थित नारायणी अस्पतालक प्रवक्ता डा उदयनारायण सिंह अनुसार अस्पतालमे दैनिक १०सँ १५ गोटेधैर सर्पदंशके इलाजक लेल आइब रहल अइछ ।
डा सिह सर्पदंशसँ बचबाक लेल राइतमे मच्छरजाली लगाएब, घरअगलबगलके झाडी सफा राखब, खेतमे काज करैत बुट तथा सुरक्षात्मक सामग्री प्रयोग करबाब तथा साप कटलाक बाद तत्काल स्वास्थ्य संस्थामे जेबाक आग्रह केलैन । (रासस)





