भारतके केएस भरत काठमाण्डूमे अनुबन्ध


काठमाण्डू, ७ भादब : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) टोली काठमाण्डू गोर्खाज पहिल विदेशी खेलाड़ीके रूपमे भारतके विकेटकिपर/ब्याटर केएस भरतकेँ अनुबन्ध केलक अइछ । काठमाण्डू तेसर संस्करणके एनपिएलके लेल भरतकेँ अनुबन्ध केलक अइछ ।

भारतीय घरेलु क्रिकेटके अनुभवी खेलाड़ी भरत भारतक लेल सातटा टेष्ट म्याचमे भाग लेने छैथ । दिल्ली क्यापिटल्स आ रोयल च्यालेन्जर्स बेँगलुरुसँ इण्डियन प्रिमियर लिग (आइपिएल) सेहो ओ खेल चुकल छैथ । प्रथम श्रेणी क्रिकेटमे छ हजारसँ बेसी ओ रन बनौने छैथ ।

भरत इएह सालके जुन महिनामे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटसँ सन्यास लेने छलैन । अनुभवी खेलाड़ी भरतके आगमनसँ टोली थप बलगर बनल काठमाण्डू गोर्खाज बतौलक अइछ ।

एनपिएलके तेसर संस्करण अगिला कातिक ९ गतेसँ अगहन ५ गतेधैर काठमाण्डूमे आयोजन कएल जाएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय