श्रममन्त्री यादवसँ राजदूत शामसीके भेट


काठमाण्डू, ८ भादब : युवा, श्रम तथा रोजगारमन्त्री रामजी यादवसँग नेपालक लेल संयुक्त अरब इमिरेट्स (युएई) के राजदूत अब्दुल्ला सइद मुबारक जारवान अल शामसी आइ शिष्टाचार भेट केलैन अइछ ।

सिंहदरवारस्थित मन्त्रालयमे भेल भेटमे हुनकासभ बीच दू देश बीचक दू पक्षीय श्रमसम्बन्धी समझदारी तथा सहमतिके प्रभावकारी कार्यावंयनक लेल संयुक्त कार्य समूहके बैसार शीघ्र आयोजन करबाक सहमति भेल अइछ ।

भेटमे मन्त्री यादव नेपाली श्रमिककेँ प्रहरी चारित्रिक प्रमाणपत्रसम्बन्धी दोहरा प्रक्रिया पूरा करबाक व्यवस्थाकेँ सहज बनोनाइ आवश्यक रहल बतौलैन । ओइ अवसरमे राजदूत शामसी नेपाली श्रमिकके हकहित आ अधिकारक विषयमे युएई निरन्तर परामर्श आ समवंय क रहल बतौने मन्त्री यादवके सचिवालय जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय