रसुवा बाइढ़ : एक हजार ३ सओ ५५ गोटेके मृत्यु


काठमाण्डू, २२ भादब : राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण रसुवा बाइढ़मे मृत्यु भेनिहारमध्ये अखनधैर एक हजार ३ सओ ५५ गोटेके शव भेटल जनौलक अइछ ।

प्राधिकरण अनुसार भेटल शवमध्ये विभिन्न मानव अङ्ग सेहो समावेश अइछ । अखनधैर ९८ शवके सनाखत क परिवारजनकेँ जिमा लगाएल गेल प्राधिकरणके तथ्याङ्कमे उल्लेख अइछ ।

प्राधिकरणके प्रवक्ता शान्ती महत रसुवामे एक सओ ६९, नुवाकोटमे एक सओ ९७, धादिङमे ७०, गोरखामे ७५, तनहुँमे ३८, चितवनमे ३ सओ ६३, नवलपरासी पूर्वमे २ सओ २२ आ नवलपरासी पश्चिममे २ सओ २१ टा शव भेटल जानकारी देलैन । ओ कहलैन, “बाइढ़मे करिब चाइर हजार ९ सओ ९६ गोटे सम्पर्कविहीन भेल विवरण छै । रसुवा जिला प्रशासन कार्यालयसँ करिब एक हजार ९ सओ ६७ गोटे आ नुवाकोटसँ करिब दू हजार ३ सओ ४० नेपाली सम्पर्कविहीनके विवरण अद्यावधिक भेल छै ।”

हुनक कहब अनुसार सुरक्षाकर्मी तथा कर्मचारी करिब एक सओ आ विदेशी नागरिक करिब ५ सओ ८९ गोटे सम्पर्कविहीन रहल तथ्याङ्क अइछ । अइ बीच बाइढ़मे फसलमध्ये अखनधैर १३ हजार ३ सओ ९६ गोटेके उद्धार कएल गेल अइछ ।

प्राधिकरण अनुसार छ हजार ६ सओ ७२ गोटे घायल व्यक्तिके इलाज कएल गेल अइछ । ओइमध्ये विभिन्न अस्पतालमे ३ सओ २३ गोटेके इलाज कएल गेल अइछ । २ सओ २८ गोटे इलाजक बाद डिस्चार्ज भेल अइछ ।

प्रभावित क्षेत्रमे स्थापित ३९ टा होल्डिङ सेन्टरमे अखन तीन हजार ५ सओ ३३ गोटे बाइढ़ प्रभावित अइछ । ओइमध्ये रसुवामे ६ सओ ६९, नुवाकोटमे दू हजार ६ सओ ५१ आ धादिङमे २ सओ १३ गोटे रहल प्राधिकरण जनौलक अइछ ।

प्राधिकरण अनुसार उद्धार, राहत तथा सुरक्षा व्यवस्थापनक लेल २१ हजार ४ सओ २ सुरक्षाकर्मी परिचालित अइछ । नेपाली सेनाके नौ हजार २ सओ ८७, नेपाल प्रहरीके सात हजार ९ सओ १२ आ सशस्त्र प्रहरी बलके चाइर हजार २ सओ ३ गोटे सुरक्षाकर्मी बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रमे खोज, उद्धार आ राहतके लेल परिचालित अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय