प्रधानमन्त्री शाह राष्ट्रसंघीय महासभामे आसिन ८ गते सम्बोधन


काठमाण्डू, २६ भादबः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह संयुक्त राष्ट्रसंघक ८१म महासभाकेँ अगिला आसिन ८ गते सम्बोधन करबाक भेल अइछ।

उक्त महासभाक ‘उच्चस्तरीय सामान्य बहस’ अगिला आसिन ६सँ १२ गतेधैर संयुक्त राज्य अमेरिकाके न्युयोर्कमे सञ्चालन हएत। महासभाके सामान्य बहसमे प्रधानमन्त्री शाह आसिन ८ गते सम्बोधन करबाक परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ।

अइ बेरके महासभाक नारा ‘विश्वासके पुनर्स्थापना, रूपान्तरणक व्यवस्थापनः सबके लेल परिणाममुखी संयुक्त राष्ट्रसंघ’ अइछ। संयुक्त राष्ट्रसंघसँ प्राप्त जानकारीअनुसार एखनधैर उक्त महासभामे ८१ देशक राष्ट्रप्रमुख तथा नेपालसहित ५० देशक सरकार प्रमुख सहभागी हएत ।

मन्त्रालयक सचिव अमृतबहादुर राई नेपालमे वितल वर्ष भेल ‘जेनजी’ आन्दोलन, तकर बाद भेल सफल निर्वाचन आ ओहिसँ प्राप्त जनादेशसहित गठित वर्तमान सरकारक प्राथमिकता लगायतके विषय अन्तर्राष्ट्रीय समुदायसमक्ष प्रस्तुत करबाक लेल ८१म महासभा महत्वपूर्ण अवसर होबाक बतौलैन।

ओहि विषयमे जानकारी देबाक लेल आइ एत आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ अन्तर्राष्ट्रीय सहयोग एवम् सद्भावक निरन्तरता आ वृद्धिक लेल उच्चस्तरसँ आह्वान करबाक लेल सेहो ई महासभा महत्वपूर्ण अवसर रहल उल्लेख केलैन।

भादब १० गते रसुवाक भोटेकोशी नदीमे आएल विनाशकारी बाइढ़क कारण नेपालकेँ अपूरणीय क्षति भेल अइछ। अइसँ नेपाल जलवायु सङ्कटक दृष्टिसँ जोखिममे रहल पुनः पुष्टि भेल अइछ।

तहिना, परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल अतिकम विकसित देश, भूपरिवेष्टित विकासोन्मुख देश, असंलग्न देश, जी–७७ तथा चीनलगायतक मन्त्रीस्तरीय बैसारमे सहभागी हएत ।

तहिना, ओ संयुक्त राष्ट्रसंघद्वारा आयोजित अन्य उच्चस्तरीय बातचित तथा साइड इभेन्टकेँ सेहो सम्बोधन करथिन। एकर अतिरिक्त परराष्ट्रमन्त्री खनाल पड़ोसी देशलगायत विभिन्न मित्रराष्ट्रक समकक्षी तथा संयुक्त राष्ट्रसंघक उच्च पदाधिकारीसँ सेहो भेटवार्ता करथिन।

प्रधानमन्त्री शाहक प्रतिनिधिमण्डलमे परराष्ट्रमन्त्री खनाल, प्रधानमन्त्रीक प्रमुख सलाहकार कुमार व्यञ्जनकार, परराष्ट्र सचिव राईलगायतक उच्चपदस्थ अधिकारी सहभागी हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय