ललितपुर, २९ भादब : राष्ट्रिय समाचार समितिके पूर्वअध्यक्ष धर्मेन्द्र झाकेँ ‘एक्सिलेन्स इन कर्पोरेट लिडरसिप अवार्ड’ प्रदान कएल गेल अइछ ।
सिजन मिडियाद्वारा रैबदिन ललितपुरमे आयोजित सातम संस्करणके ‘एसियन प्रोफेसनल एचिभमेन्ट अवार्ड नेपाल, २०२६’ मे झाकेँ उक्त अवार्ड प्रदान कएल गेल ।
पत्रकारिता, मिडिया प्रशिक्षण, लेखन तथा नेपालमे प्रेस स्वतन्त्रता आ सूचनाके हकके प्रवर्द्धनमे करिब चाइर दशकसँ झा करैत आएल योगदानके कदरस्वरूप सम्मान कएल गेल अइछ ।
नेपालक प्रथम राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव प्रमुख आतिथ्यतामे आयोजित कार्यक्रममे झासहित उद्योग, व्यवसाय, ऊर्जा, बैङ्किङ, बीमा, पर्यटन, आतिथ्य, शिक्षा, पत्रकारिता, कला, उड्डयन, सामाजिक सेवा तथा उद्यमशीलताके क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदान कएने नेपाल तथा विभिन्न एसियाली देशक व्यक्तित्वकेँ सम्मान कएल गेल छल ।
पञ्चकन्या ग्रुपके अध्यक्ष प्रेम बहादुर श्रेष्ठकेँ ‘औद्योगिक नेतृत्वमे दीर्घसेवा सम्मान’ प्रदान कएल गेल ।
तहिना, वरिष्ठ सङ्गीतकार शम्भुजित बास्कोटाकेँ ‘दिग्गज सङ्गीत साधक सम्मान’, पोखरा महानगरपालिकाके प्रमुख धनराज आचार्यकेँ ‘सहरी विकास तथा सार्वजनिक सेवामे दूरदर्शी नेतृत्व सम्मान’, होटल एसोसिएसन नेपालक अध्यक्ष विनायक शाहकेँ ‘आतिथ्य उद्योग नेतृत्व उत्कृष्टता सम्मान’ तथा हाइलाइफ एग्रो फुड्स इन्डस्ट्रिजके अध्यक्ष अम्बिका प्रसाद पौडेलकेँ ‘उत्कृष्ट व्यावसायिक नेतृत्व सम्मान’ प्रदान कएल गेल ।
तहिना, बिजी ग्रुपके प्रबन्ध निर्देशक गणेश कार्कीकेँ ‘ऊर्जा नेतृत्व उत्कृष्टता सम्मान’, नेपाल उद्योग परिसङ्घके उपाध्यक्ष भीम प्रसाद घिमिरेकेँ ‘औद्योगिक तथा व्यावसायिक नेतृत्व उत्कृष्टता सम्मान’ तथा साल्ट ट्रेडिङ कर्पोरेसनके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत उर्मिला श्रेष्ठकेँ ‘उत्कृष्ट संस्थागत नेतृत्व सम्मान’ प्रदान कएल गेल ।
सहीद गङ्गालाल राष्ट्रिय हृदय केन्द्रके चिकित्सक विश्व पोखरेल, मेटलाइफके महाप्रबन्धक निर्मलकाजी श्रेष्ठ, गरिमा विकास बैङ्कके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत माधव प्रसाद उपाध्याय, नेपाल वायुसेवा निगमकी वरिष्ठ क्याप्टेन भावना पन्त आ इना सेन्टरके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत उद्धव बर्तौलाकेँ सेहो सम्मान कएल गेल छल ।
तहिना, फेसियल हाउसके अध्यक्ष सुष्मा महरा, कङ्गारु एजुकेसन फाउन्डेसनके संस्थापक तथा प्रमुख कार्यकारी अधिकृत महेशबाबु तिमल्सिना, वरिष्ठ समाचार प्रस्तोता समा थापालगायत विभिन्न क्षेत्रक व्यक्तित्वकेँ सेहो अवार्ड प्रदान कएल गेल ।
तहिना, जापान, भारत, मलेसिया, बङ्गलादेश आ चीनसँ सहभागी भेल व्यक्तिकेँ सेहो अन्तर्राष्ट्रिय विधाअन्तर्गत विभिन्न सम्मान प्रदान कएल गेल ।
जापानके फोटो पत्रकार नोबोरु ताकाओका, भारतके वरिष्ठ फोटो पत्रकार पुरुषोत्तम दिवाकर, मलेसियाके अन्तर्राष्ट्रिय ड्रोन उड्डयन महासङ्घके अध्यक्ष चेओङ क्वेई सेङ, बङ्गलादेशके पाइन भीतरके फोटोग्राफीमे सक्रिय फोटो पत्रकार शरीफ सरवर, चीनके शिक्षा प्रविधि क्षेत्रके व्यवसायी जोएसन चेन तथा सञ्चार तथा सामाजिक सल्लाहकार वेनी काईकेँ विभिन्न विधामे सम्मान कएल गेल छल ।
समारोहमे सिजन मिडियाके अध्यक्ष प्रदीपराज वन्त अवार्ड कोनो ट्रफी वा प्रमाणपत्रमे मात्रे सीमित नै भ विभिन्न क्षेत्रमे योगदान केनिहार व्यक्तिके मेहनत, सङ्घर्ष, उपलब्धी आ सामाजिक क्षेत्रमे योगदान कएने कारण सम्मान कएल गेल बतौलैन ।
समारोहमे नेपालक लेल बङ्गलादेशके राजदूत एम्डी सफिक रहमान, उद्योगी–व्यवसायी, सञ्चारकर्मी, कलाकार, समाजसेवी, शिक्षाविद तथा विभिन्न क्षेत्रक विशिष्ट व्यक्तित्वसभक सहभागिता छल । (रासस)





