मुस्ताङ, ३० भादब : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह जलवायु परिवर्तनसँ भेल जोखिम तथा विपद न्यूनीकरण आ व्यवस्थापन पक्षमे विश्वव्यापी सहयोग आ सहकार्यक लेल आह्वान करबाक बताैलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री शाह मुस्ताङमे आयोजित ‘घरपझोङ जलवायु सम्मेलन’ क क्रममे पठाएल शुभकामना सन्देशमे जलवायु परिवर्तनके असर न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापनसम्बन्धी विषय विश्व समुदायके साझा जिमेवारी रहलासँ समाधानक लेल विश्वके ध्यानाकर्षण करेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल उल्लेख अइछ ।
प्रधानमन्त्री शाह संयुक्त राष्ट्रसंघके ८१म महासभामे जलवायु परिवर्तनसँ नेपालमे भ रहल समस्या, क्षति आ समाधानलगायतके विषयमे विश्व समुदायके ध्यानाकर्षण करेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने शुभकामना सन्देशमे उल्लेख अइछ ।
विश्व व्यापीरुपमे तापक्रम वृद्धि भेलासँ हमरासभके हिमालसभ पघैल रहल, हिम चट्टान टुइट रहल, हिमताल फुइट रहलासँ नदीसभके बहाव बढ़बाक, पाइनके श्रोत सुखैत जाएब आ मौसममे अप्रत्याशित परिवर्तन अएबाक लगायत समस्यासभ तथा जनजीवन, कृषि, जैविक विविधितामे सेहो असर भ रहल प्रधानमन्त्री शाहके सन्देशमे उल्लेख अइछ ।
हिमाली जिला मुस्ताङके जोमसोममे ‘घरपझोङ जलवायु सम्मेलन’ आयोजन भेलापर खुशी व्यक्त करैत प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह शुभकामना सन्देशमार्फत जलवायु परिवर्तनके असरसँ बचबाक लेल संघ, प्रदेश आ स्थानीय तह बीच मजबुत सहकार्य करब आवश्यक रहल बताैलैन अइछ ।
स्थानीय घरपझोङ गाउँपालिका आयोजित दू दिनक सम्मेलनके आइ कृषि, वन तथा पर्यावरणमन्त्री गीता चौधरी उद्घाटन कएने छल । उक्त सम्मेलनमे देशभैरके अधिकांश गाउँपालिका तथा नगरपालिकाके प्रमुख एवम् जिला समन्वय समितिक प्रमुखसभके सहभागिता अइछ ।(रासस)





