काठमाण्डू, १ आसिन : नेपाल एलपी ग्यास उद्योग संघ पुरान दरमे ग्यासके बिक्री वितरण करबाक लेल उद्योगीसभकेँ आग्रह केलक अइछ । संघ आइ विज्ञप्ति जारी करैत शुक्रदिनसँ नेपाल आयल निगम निर्धारण कएने प्रतिसिलिण्डर दू हजार ६० टकामे बिक्री करबाक लेल आग्रह केलक अइछ ।
भोटेकोशी बाइढ़के कारण पृथ्वी राजमार्गके कृष्णभीर खण्ड अवरुद्ध भेलासँ उद्योगीसभ वैकल्पिक मार्गसँ ग्यास काठमाण्डू आइन क बिक्री कएने छल । उपत्यका बाहरके उद्योगमे ग्यास भैड़ क आनए पड़ल कहैत उद्योगीसभ प्रतिसिलिण्डर एक सओ ५ टका ३८ पैसा ढुवानी भाड़ाबापत थप क उपभोक्तासँ लैत आएल छल ।
पृथ्वी राजमार्ग अवरुद्ध भेलाक बाद बितल भादब १४ गतेसँ काठमाण्डू उपत्यकामे बजारीकरण क रहल उद्योग मकवानपुर, पर्सा, बारा, चितवन, नवलपरासी आ धनुषामे रहल उद्योगमे सिलिण्डर रिफिल क वैकल्पिक मार्गसँ ग्यास आइन बिक्री करैत आएल छल । (रासस)





