प्रधानमन्त्री शाहसँ भारतीय राजदूत श्रीवास्तवके बिदाइ भेट


काठमाण्डू, १३ आसिन : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाहसँ नेपालक लेल भारतीय राजदूत नवीन श्रीवास्तव बिदाइ भेट केलैन अइछ ।

नेपालक लेल अपन कार्यकाल पूरा क घुरए लागल श्रीवास्तव आइ सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे जा क प्रधानमन्त्री शाहसँ बिदाइ भेट कएने प्रधानमन्त्रीके प्रेस तथा अनुसन्धानविज्ञ दीपा दाहाल जानकारी देलैन ।

भेटमे प्रधानमन्त्री शाह नेपाल आ भारत बीचके सम्बन्ध सैदखन सुमधुर आ प्रगाढ़ रहल बतौलैन । किछ समय पहिने आएल बाइढ़ भूस्खलन तथा विपदके समयमे भारत सरकार कएने सहयोगक लेल ओ विशेष धन्यवाद व्यक्त केलैन । प्रधानमन्त्री शाह राजदूत श्रीवास्तवकेँ कार्यकाल सम्पन्न कएलापर बधाइ दैत आगामी जीवनके लेल शुभकामना व्यक्त केलैन ।

ओइ अवसरमे राजदूत श्रीवास्तव अपन कार्यकालमे दू देशबीच विभिन्न विकास परियोजनासभ सम्पन्न भेल जानकारी कराबैत नेपाल रहबाक क्रममे सहयोग करैबला नेपाल सरकार आ नेपाली जनताकेँ विशेष धन्यवाद व्यक्त केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय