हमसभ निर्वाचनक आन्तरिक तैयारीमे छी : प्रमुख निर्वाचन आयुक्त कार्की


काठमाण्डू, २२ आसिन : प्रमुख निर्वाचन आयुक्त मान बहादुर कार्की निर्वाचन आयोग स्थानीय तहके अगिला निर्वाचनक आन्तरिक तैयारीमे जुटल बतौलैन अइछ ।

राष्ट्रिय समाचार समिति, राससके प्रतिनिधिमण्डसँ आइ निर्वाचन आयोगमे भेल अनौपचारिक बातचितक क्रममे ओ कहलैन, “हमसभ अगिला निर्वाचनक तैयारीमे छी । ओना तँ आयोग सैदखन निर्वाचनक तैयारीमे रहैत छै । निर्वाचनक मिति सरकार निर्धारण करत । निर्धारित मितिमे निष्पक्ष एवं बिना विवादके निर्वाचन सम्पन्न करबाक दायित्व आयोगके छै । ओइ लेल हमसभ प्रतिबद्ध छी ।”

स्थानीय तहके अगिला निर्वाचन फागुनमे करैजका सरकार आगु बढ़ल समाचार सेहो आएल छै से प्रश्नके जबाबमे ओ कहलैन, “मितिके बारेमे अखन आयोग किछ नै कहि सकैत छै । अपनासभक संवैधानिक प्रावधानअनुरुप आयोगसमेतके परामर्शमे सरकार मिति घोषणा करत । मुदा, लम्बा समयधैर स्थानीय निकाय खाली नै राखबाक चाही तइ पक्षमे हमसभ छी । ओएह अनुसार हमरासभक तैयारी सेहो भ रहल छै ।”

अगिला वैशाखमे स्थानीय तहके कार्यकाल सम्पन्न होबाक कारण ओएह आसपास रहैजका आ संवैधानिक व्यवस्थाअनुसार निर्वाचन होबाक हुनक कहब छलैन ।

स्थानीय तह आ प्रदेशके निर्वाचन एकसाथ करैजका आयोग तैयारी सुरु कएने छै तइ प्रश्नमे ओ कहलैन, “अपनासभक संवैधानिक संरचना आ कानुनी प्रावधानअनुरुप निर्वाचन हएत । ओइमे हमरासभक आवश्यकताके विषय सेहो छै । तइ, अखन चुनाव एकसाथ हएत से नै कहि सकैत छी । सरकार मिति घोषणा कएनेअनुसार हमसभ काज करब ।”

रासस विगतके निर्वाचनमे सकारात्मक एवं निर्वाचनमैत्री माहोल सिर्जना करबाक लेल सशक्त एवं नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह कएने से विषय जानकारीमे रहल उल्लेख करैत प्रमुख निर्वाचन आयुक्त कार्की आबैबला समयमे सेहो रासससँ सहकार्य करबाक लेल आयोग तैयार रहल स्पष्ट केलैन ।

ओइ अवसरमे आयोग आ रासस बीचके सम्बन्धसहित सहयोग, सहकार्यलगायत समसामयिक विषयमे बातचित भेल छल । परामर्शमे निर्वाचन आयुक्त सगुन शमशेर जबरा, ध्रुवराज वाग्ले सेहो उपस्थित छलैथ ।

तहिना, राससके महाप्रबन्धक सन्दीप राई, प्रधानसम्पादक उत्तम सिल्वाल, प्रमुख समाचारदाता एकराज पाठक, आलेख समाचार शाखा प्रमुख कृष्ण अधिकारी आ निमित्त प्रशासन प्रमुख भरत केसीके उपस्थिति छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय