रासस/एएफपी
नवदिल्ली, २४ आसिन : भारतके निर्वाचन आयोगक विरुद्ध आह्वान कएल गेल पैघ विरोध प्रदर्शनसँ पहिने शैनदिन व्यङ्ग्यात्मक अनलाइन अभियान ‘कक्रोच जनता पार्टी’ (सीजेपी) क प्रमुखसहित तीन गोटे नेताकेँ प्रहरी नियन्त्रणमे लेने पार्टी जनौलक अइछ ।
सीजेपीके सामाजिक सञ्जालमे देल जानकारीअनुसार प्रदर्शनमे सहभागी होबाक लेल दिल्ली पहुँचल अभिजित दिपके सहित तीन गोटे नेताकेँ विमानसँ उतरैत प्रहरी नियन्त्रणमे लेने छै ।
भारतीय निर्वाचन आयोग (ईसीआई) देशभैर मतदाता नामावली पुनरावलोकनक क्रममे अनियमितताके आरोप लगबैत विपक्षी दलसभ किछु सप्ताहसँ सञ्चालन करैत आएल अभियानके निरन्तरताक रुपमे ई प्रदर्शन भ रहल अइछ ।
विपक्षी दल तथा आलोचकसभ मतदाता नामावली पुनरावलोकनक कारण लाखौँ मतदाता मताधिकारसँ वञ्चित भेल तथा प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्वमे रहल सत्तारूढ़ हिन्दू राष्ट्रवादी भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)केँ लाभ भ सकबाक आरोप लगौने छैथ ।
मुदा निर्वाचन आयोग ‘विशेष सघन पुनरावलोकन’ (एसआइआर) प्रक्रियामे अनियमितताके आरोप अस्वीकार करैत दोहराएल तथा अयोग्य मतदाताके नाम हटाएब एकर मुख्य उद्देश्य रहल बतौने अइछ ।
विपक्षी आम आदमी पार्टीक नेता अरविन्द केजरीवाल विज्ञप्ति जारी करैत सरकारके आलोचना केलैन ।
“ई आधिकारिक भ गेल… हमसभ मोदीके पूर्ण तानाशाही शासनमे जी रहल छी”, केजरीवाल कहलैन । विमानसँ उतैरते आन्दोलनकारीसभकेँ गिरफ्तार कएल जाइ छै, अइसँ सरकारमे अभूतपूर्व डर देखाल गेल से कहलैन ।
प्रदर्शनकारीसभ प्रदर्शनस्थलमे नै पहुँचि सकए, ताहि लेल शुक्रदिनसँ दिल्लीमे सुरक्षा व्यवस्था कड़ा कएल गेल अइछ । अइ लेल हजारौँ प्रहरी तथा अर्धसैनिक सुरक्षाकर्मी परिचालित कएल गेल अइछ ।





