काठमाण्डू, १२ कातिकः जनकपुर बोल्ट्स तेसर संस्करणके नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) टी-२० क्रिकेट प्रतियोगितामे पहिल जीत दर्ता केलक अइछ । जनकपुर बोल्ट्स आइ भेल खेलमे काठमाण्डू गोर्खाजकेँ आठ विकेट हरौने अइछ ।
जनकपुर पहिल खेलमे कर्णाली याक्सविरुद्ध १९ रनसँ हारल छल । काठमाण्डूके एक सओ १६ रन लक्ष्यके जनकपुर १७ दशमलव २ ओभरमे २ विकेटके क्षतिमे पूरा केलक अइछ ।
जनकपुरक लेल मोइन अली ५१ बलमे ३ चौका आ ३ छक्कासँ ५८ रन बनेलक । एहिने , सैफ हसन ४० रन बनेलक । बलिङदिस काठमाण्डूक लेल रिपोन मण्डल एक विकेट लेलक ।
अइसँ पहिने कीर्तिपुरस्थित त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेट मैदानमे टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने काठमाण्डू १९ दशमलव ३ ओभरमे सब विकेट क्षतिमे एक सओ १५ रन बनौने छल । काठमाण्डूक लेल भीम सार्की २९ बलमे ४ चौकासहित सर्वाधिक ३३ रनके योगदान देलक।
एहिने, राशिद खान १७, स्मित पटेल १३ आ सुमित महर्जन १० रन बनेलक । बाँकी ब्याटर जोड़ा रन सेहो नै बना सकल ।
बलिङदिस जनकपुरक लेल राहुल यादव चाइर ओभरमे ४ विकेट , सैफ हसन दू तथा कप्तान हरमित सिंह, ललित राजवंशी आ मोइन अली एक एक विकेट लेलक । (रासस)





