वीरगञ्ज (पर्सा), ५ कातिक : पर्सामे बितल एक महिनाके अवधिमे विभिन्न प्रकृतिके एक सओ ११ अपराधक घटना दर्ता भेल अइछ ।
ओइमध्ये सामाजिक अपराधक ६१, सङ्गठित तथा आर्थिक अपराधक १७, चोरीसम्बन्धी नौ, जानसम्बन्धी आठ, बालबालिकासम्बन्धी छ, सवारी जानसम्बन्धी दू आ अन्य प्रकृतिके चाइरटा घटना दर्ता भेल जिला प्रहरी कार्यालय, पर्सा जनौलक अइछ ।
प्रहरी अपराध नियन्त्रण तथा अनुसन्धानक क्रममे चालु मुद्दाके एक सओ २० गोटे प्रतिवादीकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । तहिना, कर्तव्य जानके एक, हातहतियारसम्बन्धी दू, बैंकिङ कसुरके १३, जुवातासके दू आ ठगीके एकटा घटना अभिलेख कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय पर्साके प्रहारी नायब उपरीक्षक चक्र बहादुर मल्ल जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार लागुऔषधसम्बन्धी १६ टा मुद्दा दर्ता क २४ गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । गिरफ्तार कएल गेल व्यक्तिसभसँ ३८ किलो ५ सओ ८ ग्राम गाँजा, एक सओ ७१ ग्राम ७ सओ ९० मिलिग्राम ब्राउन सुगर आ १४ ग्राम ६ सओ ४० मिलिग्राम अफिम बरामद कएल गेल अइछ, तँ राजस्व चुहावट तथा भंसार छली नियन्त्रण अभियानअन्तर्गत प्रहरी अनुमानित ७५ लाख ४४ हजार ४९ टका बराबरके सामान बरामद कएल गेल अइछ ।
तहिना, अवैध वन पैदावार नियन्त्रणक क्रममे सात गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ । ओकरासभसँ १४ टा साइकल आ ५४ क्युफिट काठ बरामद कएल गेल तथा तीन लाख ११ हजार ६ सओ टका जरिवाना कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
तहिना, बितल महिनाके विवरणअनुसार जिलाभैर ४० टा सवारी दुर्घटना भेल अइछ । उक्त दुर्घटनामे दू गोटेके मृत्यु होबाक सङे ३१ गोटे घायल भेल अइछ ।
ट्राफिक नियम उल्लङ्घन करैबला एक हजार ३ सओ ४४ टा सवारीसाधनकेँ कारबाही क प्रहरी १६ लाख ३६ हजार ५ सओ टका राजस्व सङ्कलन भेल प्रहरी नायब उपरीक्षक मल्ल बतौलैन । (रासस)





